Showing posts from 2013

मिस सेनोरिटा : प्रियदर्शिनी झा मिस ब्यूटीफुल हेयर

कलकत्ता. महानगर केर एक होटल मे लायंस क्लब इंटरनेशनलक अंतर्गत लायंस रिजेंसी दिस सं विगत बुधदिन आयोजित मिस सेनोरिटा २०१३ केर ताज तनवीर कौर जीतलीह जे १९ प्रतियोगी कें पाछां क' खिताब अपन नाम कयलीह. फर्स्ट रनर अप पूजा पाल आ सेकेण्ड रनर अप वैशाली च…

मैथिली फ़िल्म 'डमरु उस्ताद'क डुगडुग्गी

कलकत्ता/ दड़िभंगा. मैथिली सिनेमाक इतिहासमे 'डमरु उस्ताद' भरिसक पहिल फ़ीचर फ़िल्म होयत जे एक संग तीन भाषा (मैथिली, भोजपुरी आ नेपाली) मे बनायल गेल अछि. श्री राम जानकी फ़िल्म्स बैनरक ई फ़िल्म मिथिला संस्कृति, माटि-पानिसं ओतप्रोत अछि जाहिमे फ़िल्मम…

मैथिली भाषाक प्रति निष्ठाक शपथ

कलकत्ता. मिथिला विकास परिषद विगत रविदिन भाषा अधिकार दिवस केर अवसर पर तारासुंदरी पार्क मे यायावर कवि बैद्यनाथ मिश्र 'यात्री' मूर्ति समक्ष मैथिली भाषा अधिकार दिवस मनओलक. कार्यक्रमक अध्यक्षता अशोक झा व संचालन अंजय चौधरी कयलनि. नागार्जुन प्रतिमा…

आबि रहल अछि 'प्रेम प्रतिज्ञा'

कलकत्ता/ दड़िभंगा.  विगत किछु समयसं मैथिली सिनेमाक विकासक लेल किछु सजग नवतुरिया आगू आबि रहल छथि. हुनका लोकनिमे अपन भाषा, संस्कृति, कला आदिक प्रति अशेष सम्मान आ असीम प्रेम बुझना जाइछ. आइ प्रत्येक क्षेत्रमे मैथिल युवा वर्ग किछु ने किछु क’ रहल छथि. अप…

मिथिला राज्यक अवधारणा सम्बन्धी विचारगोष्ठी

राजविराज, सप्तरी.  नेपालक संघीय संरचना अन्तर्गत मिथिला राज्य अपरिहार्य रहल शनिदिन राजविराजमे आयोजित एक अन्तरक्रिया कार्यक्रमक वक्ता लोकनि बतौलनि. मिथिलाक डेग नामक संस्था द्वारा आयोजित कार्यक्रममे बजैत अहि पार आ ओहि पार अर्थात नेपाल आ भारत दुइ देशक व…

मैथिली अधिकार दिवस पर गजल

भीख नै अधिकार चाही आब नै किछु आर चाही आउ नबतुरिया अहाँकेँ बुधि बलक हथियार चाही कर्मेकेँ मोजर करी आ जुल्मकेँ प्रतिकार चाही नित रहथि संगे बनल ओ बूढ़केँ सत्कार चाही मांग सभटा ठीक छै धरि संग आ सरियार चाही चानपर छी जा चुकल तैं चानकेँ किछु…

अभिनव विद्यापति कविचूड़ामणि काशीकान्त मिश्र 'मधुप'

कविचूड़ामणि काशीकान्त मिश्र ‘मधुप’क पैतृक मधुबनी जिलाक कोइलख गाम छलनि. हिनक जन्म हिनक  मातृक दरभंगा जिलाक कोर्थू गाम मे आश्विन शुक्ल पूर्णिमा (कोजगरा), मंगल दिन, 1314 साल तदनुसार 2 अक्टूबर 1906 कें भेल छलनि. हिनक पिता कीर्तिनाथ मिश्र, उच्चक…

जानकी सेवा संघ करत तीन दिवसीय आयोजन

कलकत्ता. मैथिली दिवसक अवसर पर जानकी सेवा संघ, कोन्नगर विद्यापति लेन, शास्त्रीनगर (शिवमंदिर लग) तीन दिवसीय आयोजन करय जा रहल अछि. एहि मास अर्थात दिसंबर २०, २१ ओ २२ तारीख कें कोन्नगर मे आने बेर जकाँ एहू बेर कार्यक्रम आयोजित अछि. नबोनारायण मिश्र एहि विष…

अधिकार दिवस पर युवा ब्रिगेड लेत शपथ

कलकत्ता.  मिथिला विकास परिषद् केर राष्ट्रीय अध्यक्ष अशोक झा मैथिल युवक-युवती केर आह्वान करैत कहलनि जे हमरा सभ कें आब हाथआर हाथ ध' बैसल नहि रहबाक चाही. बहुत समय बीति गेल. गीत-नाद, साहित्यिक गोष्ठी, सांस्कृतिक क्रियाकलाप आदि अनेक भेल. आब समय आबि ग…

मनाओल गेल राजकमल चौधरीक 85म जयन्ती

पटना. चेतना समिति, पटनाक तत्त्वावधानमे मैथिलीक ख्यातलब्ध साहित्यकार राजकमल चौधरीक 85म  जयन्ती १३ दिसंबर कें विद्यापति भवनमे मोहन भारद्वाजक अध्यक्षता एवं डा. रमानन्दझा‘रमण’क संयोजकत्वमे मनाओल गेल. एहि अवसरपर मुख्यवक्ता छलाह डा. तारानन्द‘वियोगी’. डा.…

डा. कांचीनाथझा ‘किरण’क 108म जयन्ती

पटना.  01 दिसम्बर, 2013 कें चेतना समिति, पटनाक तत्त्वावधानमे मैथिली ख्यातलब्ध साहित्यकार डा. कांचीनाथ झा‘किरण’ (1 दिसम्बर 1906-9 अप्रैल 1989 ई.)क 108म जयन्ती विद्यापति भवनमे मनाओल गेल. एहि अवसरपर डा.रमानन्द झा‘रमण’ किरणजीक उपन्यास (‘चन्द्रग्रहण’ एव…

सम्मेलन मे उठल अवाज, देबहि पड़तैक मिथिला राज

२६म अंतर्राष्ट्रीय सम्मेलन मे मंच पर उपस्थित पाहून लोकनि बाबाधाम. अंतर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद्क २६म अंतर्राष्ट्रीय सम्मेलन मे अलग मिथिला राज्यक माँग जोरदार रूप मे उठल. सम्मेलन २३-२४ नवम्बर २०१३ कें देवघर मे आयोजित छल. जाहि मे मैथिली भाषा कें मजग…

कविपति विद्यापति केर स्मरण मे कलश यात्रा

कलकत्ता.  विद्यापति मिथिला केर महान विभूति छलाह आ वर्तमानो मे ओ प्रेरणा देनिहार छथि. मिथिला ओ मैथिली केर मोजर विद्यापतिक कारणे विश्वभरि  मे बढल अछि. एकदिस विद्यापति कवि रूपें प्रतिष्ठित छथि त' दोसर दिस हुनक रचना आ व्यक्तित्वक छाप एखनहुँ घर-घर मे…

देशक राजधानी मे दू दिवसीय मिथिला महोत्सव

मिथिला महोत्सव मे पहिल दिन  जतय  विभिन्न विषयक संगोष्ठी भेल त' ओतहि दोसर दिन फ़िल्म फेस्टिवल. विस्तृत जनतब देलनि मनीष झा 'बौआभाइ'— नव दिल्ली. अखिल भारतीय मिथिला संघ, दिल्लीक द्वारा आयोजित दू दिवसीय मिथिला महोत्सव रविदिन मने १७ नवम्बर …

स्मृति संध्या पर परिचर्चा ओ पोथी विमोचन

विद्यापति स्मृति संध्या पर उपस्थित बुद्धिजीवी लोकनि  कलकत्ता.  कविपति विद्यापतिक अवसान दिवस कार्तिक धवल त्रयोदशी मिथिला सहित देश-विदेश मे पसरल मैथिल द्वारा पर्वक रूपें मनाओल जाइत अछि. शुक्रदिन 15 नवम्बर कें अनेकठाम विभिन्न आयोजन भेल आ कविपति, भा…

कृष्णमोहन ओ ज्योत्सना कें सम्मान

पटना. चेतना समिति, पटना द्वारा प्रतिवर्ष देल जाइत कीर्ति नारायण मिश्र साहित्य सम्मान, 2013 मैथिली साहित्यकार कृष्णमोहन झा कें हुनक कविता संग्रह ‘एकटा हेरायल दुनिया’ हेतु देबाक निर्णय विद्यापति भवन, पटनामे जूरी मण्डलक भेल बैसारमे कएल गेल. जूरी मण्डलम…

तारासुन्दरी पार्क मे यात्री कें श्रद्धा समर्पित

तारासुंदरी पार्क स्थित यात्री प्रतिमा लग उपस्थित भाखाप्रेमी लोकनि  कलकत्ता. कलकत्ता सं यात्री केर लगाओ कतेक रहनि से साहित्य प्रेमी लोकनि सं नुकायल नहि अछि. यायावर साहित्यकार बैद्यनाथ मिश्र 'यात्री' कलकत्ता अबैत रहैत छलाह आ अपन जीवन काल म…

दीयाबाती पर राजीव रंजन मिश्र केर गजल

मंगल दीप जराकँ राखब सदिखन माथ लिबाकँ राखब साथे साथ रहत ग' दुख सुख हल्लुक मोन बनाकँ राखब निसि वासर त' मनत दिवाली जा धरि बानि सजाकँ राखब ज्ञानक दीप इजोर देखा घुप अन्हार मिटाकँ राखब करनी ऊँच वचनसँ मधुगर गामक गाम जुराकँ राखब बड अनम…

चलू चली अन्हार सं इजोत दिस

मिथिला मे दशमीए सं दीयाबाती जड़ायब शुरू भ' जाइत अछि. धनतेरस सं ओहुना पावनिक श्रृंखला सन  शुरू भ' जाइत अछि. मिथिला मे दीयाबातीक महत्व एहू लेल बेसी अछि जे मैथिली (सिया) श्रीरामक संग चौदह बरखक बनवासक उपरांत अजोध्या आपस आयल छलीह. अन्हार पर इजोरि…

श्रोता कें मुग्ध कयलनि लक्ष्मण झा 'सागर'

कार्यक्रम मे (बाम सं) भास्कर झा, लक्ष्मण झा 'सागर' ओ नवीन चौधरी कलकत्ता. स्थानीय विद्यापति विद्यामंदिर मे आयोजित एकल काव्य पाठ अनेक कारणें महत्वपूर्ण रहल. मिथिला सांस्कृतिक परिषद् द्वारा वरिष्ठ कवि लक्ष्मण झा 'सागर' केर 'एकल …

मोदी बजलाह मैथिली, मैथिल मुदित

पटना. ऐतिहासिक गांधी मैदान मे २७ अक्टूबर २०१३ कें भाजपा केर हुंकार रैली मे मैथिली बजलाह त' मैदान मे उपस्थित मिथिलाक लोक सहित टीवी पर भाषण देखि-सुनि रहल मैथिल लोकनि कें अजगुते लगलनि. नरेन्द्र मोदीक मुंह सं मैथिली सुनि भाखा प्रेमी लोकनि बेस मुदि…

‘मैथिली प्रबंध काव्यक विकास ओ परम्परा’ संगोष्ठी

साहित्य अकादेमी द्वारा आयोजित संगोष्ठी मे जुटल साहित्यकार लोकनि मधेपुरा. साहित्य अकादेमी नव दिल्ली एवं पार्वती विज्ञान महाविधालय मधेपुराक संयुक्त तत्वाधान मे 21-22 अक्टूबर कें ‘मैथिली प्रबंध काव्यक विकास ओ परम्परा’ विषयक द्विदिवसीय राष्ट्रीय से…

लक्ष्मण झा 'सागर' द्वारा एकल काव्यपाठ

काव्यपाठ करैत लक्ष्मण झा 'सागर' केर फ़ाइल छवि कलकत्ता. मैथिली भाखा-साहित्य हेतु कोलकाता मे एम्हर गतिविधि बढल अछि. वरिष्ठ कवि लक्ष्मण झा 'सागर' द्वारा 'एकल काव्य पाठ' आयोजित कयल गेल अछि. कार्यक्रम रविदिन 27 अक्टूबर 201…

जनकपुरमे होयत १०सम अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन

जनकपुर मे सम्मलेन कें ल' बैसार मे उपस्थित मैथिलजन जनकपुरधाम. अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन (दिल्ली)क बैसार महासचिव डा.बैधनाथ चौधरी 'बैजू'क अध्यक्षतामे शनिदिन जनकपुरमे सम्पन्न भेल. बैसारमे दसम अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन जनकपुरधा…

नाटक 'भामती'क मंचन होयत कोलकाता मे

कलकत्ता. रंगप्रेमी लोकनि हेतु एकटा नीक समाद. प्रख्यात साहित्यिक-सांस्कृतिक संगठन 'मिथियात्रीक झंकार' द्वारा स्थानीय कलाकुंज (कला मंदिर) मे नाट्यकार सुशील झा लिखित ऎतिहासिक मैथिली नाटक 'भामती'क प्रथम मंचन रविदिन, 19 जनवरी 2014 कें कए…

कलकत्ता दुर्गोत्सव केर किछु पूजा पंडालक छवि

कलकत्ता केर दुर्गापूजा विश्व भरि मे ख्याति प्राप्त कएने अछि. एतय षष्ठी सं नवमी धरि लोक पूजा-पंडाल केर दर्शन राति भरि करैत छथि. लोकक हुजूम जखन सड़क पर निकलैत अछि त' दृश्य अदभुत रहैत अछि. एकर संगहि दशमीक सिंदूर खेला ओ विसर्जन सेहो देखय योग्य रहैत अ…

करू जीवन नैया पार हमर

जय जगदंब जगत अवलंब अविलंब करू उद्धार हमर जुनि क्षण भरियो करियौ विलंब करू जीवन नैया पार हमर चहुँदिश दानव केर बास एतय अस्तित्व हमर बचतैक केना छी रने-वने बौआय रहल व्याधा केर डरसँ मृगा जेना झट आबि दनुज दल दमन करू झट हरियौ विपदा भार हमर जुनि क्षण भरियो क…

जगदम्बाक आराधना अनंत फलदायी

दुर्गा पूजा प्रमुख पावनि अछि. शक्ति उपासना केर महान उत्सव कें दशमी, दशहरा वा नवरात्र सेहो कहल जाइत अछि . नौ दिन माँ शक्ति केर नौ रूप केर आराधनाक बाद दशम दिन विजयादशमीक रूप मे मनाओल जाइत अछि . बंगालक दुर्गा पूजा बेस नामी अछि त' गुजरात केर …

करू जय जयकार

माँ कें सब मिलि करू जयकार ढोल मृदंग लऽ झालि झंकार झूमि झूमि नाचू लागल दरबार अम्बे चरण जल कंठ भीजाबू कलश बैसा जननीकेँ मनाबू नौ दिन पूजन बंदन करियौ भव सागर क्षण हएत पार माँ कें सब मिलि करू जयकार धन्य धान्य सँ पूर्ण जीवन दुर्गा नामक साँझ भो…

जगदम्बाक आराधना हेतु गीतक गंगाजल

नव दिल्ली. दुर्गा पूजा केर शुभ पावन अवसर पर नीलम कैसेट कम्पनी 'जगदम्बा भवानी के रूप अनेक' नामक एमपी.-३ ल' क' बजार में आबि गेल अछि आ समस्त मिथिला मे उपलब्ध अछि. एहि मे करीब तीस टा स' बेसी नव गीतक संकलन अछि जाहि मे अपन सुमधुर स्…

भागलपुर मे अनुवाद कार्यशाला आयोजित

भागलपुर. भारतीय भाषा संस्थान, मैसूरक राष्ट्रीय अनुवाद मिशन एवं तिलका मांझी भागलपुर विश्वविद्यालयक मैथिली विभाग दिस सं इतिहास ओ दर्शनशास्त्रक अनुवाद कार्यशाला 1  अक्टूबर सं  7 अक्टूबर धरि आयोजित भेल. एकर उद्घाटन माननीय कुलपति प्रो. नीलाम्बुज किशोर व…

भेल पोथीक विमोचन ओ काव्यगोष्ठी

मिविप दिस सं पोथी विमोचित करैत पाहुन लोकनि   कलकत्ता. मिथिला विकास परिषद् द्वारा दू गोट पोथी काल्हि रविदिन 6 अक्टूबर कें महानगरक महाजाति सदन केर संयुक्त भवन प्रेक्षागृह मे विमोचित कयल गेल. मैथिली कविता विषयक दुनू पोथीक विमोचन मैथिलनेही सांसद सु…

मायानंद मिश्र ओ जीवकांत कें देल गेल श्रद्धांजलि

कलकत्ता. महानगर केर विद्यापति विद्यामंदिर मे साहित्यिक गोष्ठी 'संपर्क' ओ मिथिला सांस्कृतिक परिषद् द्वारा मायानंद मिश्र ओ जीवकांत केर श्रद्धांजलि सभा आयोजित कयल गेल. सांझ ५ बजे सं आयोजित सभा मे शहरक साहित्यकार लोकनि बहुसंख्या मे जुटल छलाह. …

पोथी विमोचन कार्यक्रम कें ल' भेल बैसक

कलकत्ता. मिथिला विकास परिषद् केर केन्द्रीय कार्यालय मे आगामी रवि कें होमयवला पोथी विमोचन  कार्यक्रम कें ल' काल्हि २ अक्टूबर कें सांझ ५ बजे सं बैसक भेल. बैसक मे परिषद् केर कोर कमेटी सदस्य लोकनिक संगहि अन्यान्य बुद्धिजीवी लोकनि उपस्थित छलाह. एहि …

काल्हि मायानंद मिश्र ओ जीवकांत केर स्मरण सभा

कलकत्ता. दिवंगत साहित्यकार मायानंद मिश्र ओ जीवकांत कें श्रद्धांजलि देबाक लेल सभा आयोजित कयल  गेल अछि. सभाक आयोजन काल्हि अर्थात २ अक्टूबर कें सांझ ५ बजे सं स्थानीय विद्यापति विद्यामंदिर मे होयत. साहित्यिक गोष्ठी 'संपर्क' ओ मिथिला सांस्कृतिक …

साहित्य समर्पित सांझक होयत आयोजन

> मिविप करत पोथी विमोचित, कवि सम्मलेन ओ लोकगीतक कार्यक्रम कलकत्ता. मिथिला-मैथिली क्रियाकलाप मे अग्रणी संस्था मिथिला विकास परिषद् द्वारा दू गोट पोथी विमोचित कयल जायत. मैथिली कविता विषयक दुनू पोथीक विमोचन रविदिन 6 अक्टूबर कें महानगरक महाजाति सदन…

दलाल

जिला मुख्यालयक बाहर एकटा घनगर गाछक छाहरिमे दूटा अधवयसु बक-झक (गपक माध्यमसँ झगड़ा) कऽ रहल छल. एकटा दलाल छल आ दोसर आम आदमी. आम आदमी चमकैत बाजल," हमरा अहाँ मुर्खाधिराज बूझि लेलहुं की ? अपन ठेकान नै आ हमरा कानून पढ़बऽ आबि गेल. एते सूनि दलालो जोशम…

'पत्र-पत्रिका भाखा-साहित्य केर प्राण अछि'

कलकत्ता. कोलकाता स्थित क्षेत्रीय कार्यालय मे रविदिन २२ सितम्बर भोरे १० बजे सं साहित्य अकादेमी द्वारा परिसंवाद ओ लेखक सं भेंट कार्यक्रम आयोजित भेल. कार्यक्रम चारि सत्र मे भेल. कोलकाता केर मैथिली प्रेमी लोकनि एहि कार्यक्रम मे नीक संख्या मे उपस्थित भेल…

जीवकांत केर स्मृति मे सभा

कलकत्ता. मिथिला विकास परिषद् केर केन्द्रीय कार्यालय मे दिवंगत साहित्यकार जीवकांत केर स्मृति सभा शनिदिन (२१ सितम्बर) आयोजित कयल गेल. सभा मे परिषद् कार्यकर्ता सहित मैथिली नेही लोकनि उपस्थित भेलाह. परिषद् अध्यक्ष अशोक झा जीवकांत केर निधन भेने मैथिली सा…

जीवकांतक प्रति

राजमार्गपर चिड़ै फेर घोदिया गेल अछि मुदा, पहियातर पिचायल, कोनो टुटल देहक लोभमे नहि ओ ताकि रहल अछि अहाँक बाट गाछपर बैसल चिड़ै भऽ गेल अछि शक्तिविहीन ओकर पाँखि नहि फूजि रहलैए ओकर कंठसँ नहि बहरा रहलैए कोनो बोल, कोनो गीत टकटकी लगौने अछि धारक कछेरमे ओ ताक…

परिसंवाद ओ लेखक सं भेंट 22 कें

> साहित्य अकादेमी केर कार्यक्रम कलकत्ता. आगामी रविदिन कोलकाता स्थित क्षेत्रीय कार्यालय मे भोरे १० बजे सं साहित्य अकादेमी द्वारा परिसंवाद ओ लेखक सं भेंट कार्यक्रम आयोजित कयल गेल अछि. कार्यक्रम मे मैथिली भाषा ओ साहित्यक विकास मे साहित्यिक पत्र-पत…

'मिथिला आन्दोलन केर नव युगक आरम्भ'

दड़िभंगा. अखिल भारतीय मिथिला पार्टी केर आह्वान पर सामूहिक उपवास केर आयोजन कयल गेल.  ई आयोजन विभिन्न मांग कें ल' दड़िभंगा मे १७ आ १८ सितम्बर कें कयल गेल.  मिथिलाक एकमात्र केन्द्रीय संस्थान आइआइआइटी कें दड़िभंगा सं बिहटा स्थानांतरित करबाक विरोध …

सिनेमाक सफल प्रदर्शन अछि शुभ संकेत!

कलकत्ता. मैथिली सिनेमाक नीक दिन घूरि रहल अछि. लगातार बहुत रास फ़िल्म बनबाक संगहि मैथिली सिनेमाक समक्ष हॉलक समस्या केर समाधान भ' गेल अछि, एहना बुझना जाइत अछि. किछु दिन पहिने रिलीज़ भेल मैथिल फ़िल्म  'सौतिनक बेटी' केर एक संग सात-आठटा हॉल…

Load More
That is All