मिथिला राज्यक अवधारणा सम्बन्धी विचारगोष्ठी

राजविराज, सप्तरी. नेपालक संघीय संरचना अन्तर्गत मिथिला राज्य अपरिहार्य रहल शनिदिन राजविराजमे आयोजित एक अन्तरक्रिया कार्यक्रमक वक्ता लोकनि बतौलनि. मिथिलाक डेग नामक संस्था द्वारा आयोजित कार्यक्रममे बजैत अहि पार आ ओहि पार अर्थात नेपाल आ भारत दुइ देशक वक्ता लोकनि मिथिलाक भौगोलिक बनावट, समृद्ध भाषा-संस्कृति, परम्परा, आ इतिहास मिथिला राज्य निर्माणक आधार रहल कहैत मिथिला राज्य निर्माणक मांग स्वरूपेण समुचित रहल बतौलनि. 
कार्यक्रमक प्रमुख अतिथि मिथिला राज्य निर्माण संघर्ष समिति नेपालक अध्यक्ष परमेश्वर कापडि मिथिलाक लेल विभिन्न समयमे सहादत सेहो देल गेल स्मरण करबैत मिथिला राज्य नहि भेलापर मैथिल सभक संघर्षमे उतरबाक चेतावनी सेहो देलनि. राजनीतिक हितसँ उपर उठि मधेश केंद्रित नेता लोकनि कें मिथिलाक प्राचीन इतिहास, भाषा-संस्कृति, भौगोलिक परिवेश आदि कें ध्यानमे राखि मिथिला राज्य निर्माण प्रति गम्भीर बनबाक लेल ओ आग्रह सेहो केलनि. 
मैथिलकर्मी करुणा झाक अध्यक्षतामे सम्पन्न भावी संविधानमे मिथिला राज्य अवधारणा विषयक अन्तरक्रिया कार्यक्रममे भारतमे मिथिला राज्य निर्माण हेतु सक्रिय मिथिला राज्य निर्माण सेनाक अध्यक्ष श्यामसुन्दर झा, प्रवक्ता अनुप चौधरी, मैथिली साहित्य परिषदक अध्यक्ष विवेकानन्द मिश्र, पूर्व अध्यक्ष देवेन्द्र मिश्र आदि वक्ता लोकनि मन्तव्य व्यक्त केने छलाह. कार्यक्रमक सञ्चालन मिथिलाक डेग संस्थाक सचिव निराजन झा कयलनि. 
अन्तरक्रिया कार्यक्रमक अंतमे ७ बुँदे राजविराज घोषणा पत्र सेहो जारी कएल गेल अछि. नेपाल तराइ केर पूर्वी क्षेत्र मोरंगसँ बाराक सिम्रौनगढ धरि सिमाना रहल संघीय मिथिला राज्य स्थापना, मैथिलीमे आधारभुत शिक्षाक व्यवस्था, सञ्चार माध्ययममे मैथिली भाषाक समानुपातिक स्थान सहितक मांग घोषणा पत्रमे कएल गेल अछि. भारतमे मिथिला राज्य निर्माण हेतु संघर्ष करबाक लेल स्थापित मिथिला राज्य निर्माण सेना अपन स्थापनाक छोट समयमे चर्चित भेल अछि. १४ अप्रील २०१३ मे स्थापित सेना मात्र भारतेटामे नहि नेपालोमे  मिथिला राज्य निर्माणक मांग दोहराबैत आयल अछि. दुनू पार मिथिला केर मूल मांगक संग दिल्ली धरि संघर्ष क’ चुकल सेना आगामी १९ जनवरी कें दिल्लीक जन्तर-मन्तर पर पुनः संघर्ष करबाक तैयारीमे अछि.
आगामी दिनमे आन्दोलनक प्रारूप केहन होयत? मिथिला राज्य निर्माणक आधार की? आ मिथिला राज्य निर्माण होयत अहि प्रति कतेक विश्वस्त छी ? अहि सन्दर्भमे मिथिला राज्य निर्माण सेनाक अध्यक्ष श्यामसुन्दर झा कहलनि –‘मिथिला राज्य बनबेटा करत से हम विश्वस्त छी.’ तहिना भारतमे आगामी लोकसभा चुनाव कें देखैत सेनाद्वारा मिथिला राज्यक मांग कें कतेक राजनीतिककरण कएल जा’रहल अछि तथा नेपालमे मिथिला राज्य स्थापनक आधार कतेक देखि रहल छी? सहितक विषय सन्दर्भमे सेनाक प्रवक्ता अनुप चौधरीसँ सेहो कलहनि –‘जे आब मिथिला राज्य निर्माण सेना आन्दोलनमे आयत आ आगामी ९ जनवरी कें मधुबनीमे चक्का जाम आ १९ जनवरी कें दिल्लीक जन्तर-मन्तर पर राष्ट्रीय अधिवेशन करब तँ सरकारपर प्रभाव अवश्य पड़तैक. (Report:  करुणा झा)  
Previous Post Next Post