ABOUT MITHIMEDIA

MithiMedia is the leading digital media initiative for Maithili speaking people. It provides content regarding activities, language, literature, culture, technology, business, etc.
- - - - - - - -

मिथिमीडिया मैथिलीक अग्रणी डिजिटल मीडिया उपक्रम अछि. एहि माध्यम सं भाषा, साहित्य, संस्कृति सहित विविध विषयक सामग्री ओ समाचार-विचार प्रसारित कएल जाइत अछि. संगहि ई मिथिला, मैथिली ओ मैथिलक संस्था, अभियान व कार्यक्रमक ऑनलाइन प्रचारक काज सेहो करैत अछि.

मिथिमीडियाक औपचारिक शुरुआत 15 अगस्त 2012 कें भेल. मैथिलीक एहि लोकप्रिय डिजिटल मीडिया प्लेटफॉर्म केर संस्थापक ओ संपादक रूपेश त्योंथ छथि. भाषा-साहित्य मे रुचि रखनिहार रूपेश कोलकाता बेस्ड आइटी प्रोफेशनल ओ डिजिटल पत्रकार छथि. 

रूपेश विगत डेढ़ दशक सं कतिपय मीडिया संस्थान सं जुड़ल रहल छथि. मैथिली मे समाचार माध्यमक विकास सहित वेब पर मैथिलीक सुदृढ़ उपस्थिति हेतु लगातार तत्पर छथि. रूपेश मैथिलीक सुपरिचित कवि, स्तम्भकार ओ सम्पादक छथि. 

Rupesh Teoth is an award-winning author, language activist, poet, columnist & an internet entrepreneur. He holds years of expertise in digital media and product development. He has the same proficiency in information technology, language, literature, and journalism. Rupesh Teoth is the Founder Editor of MithiMedia.

अनेको रचनाशील युवा मिथिमीडिया सं कंट्रीब्यूटर रूप मे जुड़ल छथि आ पाठक लेल चुनल आ उपयोगी अपडेट उपलब्ध करबैत छथि. एहि प्लेटफॉर्म कें मजगूत करबाक लेल अपने सेहो मिथिमीडिया सं जुड़ि सकै छी. कंटेंट कंट्रीब्यूटर बनबाक हो, विज्ञापन देबाक हो वा कोनो तरहक पार्टनरशिप करबाक हो त' सोझे मेल माध्यम सं जुड़ी.

मिथिमीडिया सं कनेक्टेड रही:
वेबसाइट: www.mithimedia.in
इमेल: mithimedia@gmail.com
फेसबुक: facebook.com/mithimedia
इन्स्टा: instagram.com/mithimedia
ट्विटर: twitter.com/mithimedia
यूट्यूब: youtube.com/c/mithimedia

मैथिली भाषाक प्रचार-प्रसार हेतु हमरा लोकनि अपने सं सहयोगक अपेक्षा रखैत छी. वेबसाइट पर बहुमूल्य समय देबाक लेल अपने कें धन्यवाद. चलू संगे किछु डेग जे वेब पर मैथिली कें बेहतरी दिस ल' जाएत! 


Powered by Contecho

Contecho is a result-driven online marketing and consultancy services to help you advertise and market your online business. We drive performance marketing to the next level with the best technologies and experiences.