मिथिला पंचांग - मैथिली पंचांग - कहिया कोन पावनि छै?


मिथिला पंचांग - मैथिली पंचांग - मैथिली पतरा - Mithila Panchang - Maithili Panchang - Maithili Patra - सनातन धर्म मे वर्ष केर एक-एक दिन लेल किछु ने किछु विशेष जानकारी देल जएबाक परम्परा रहल छै. एकरा एकठाम पंचांग रूप मे प्रकाशित कएल जाइत छै. एहि मे काल-गणना आ तिथि विशेष केर जानकारी विस्तार सं देल रहैत छै. एही आधार पर साल भरि पाबनि-तिहार आदि पालन होइ छै.
 
उत्तर भारत मे 'मिथिला पंचांग' केर विशेष महत्व छै. मिथिलावासी एकरे अनुसार अपन व्रत-त्यौहार, विवाह, मुंडन-उपनयन आदि शुभ काज करैत छथि. कामेश्वर सिंह दरभंगा संस्कृत विश्वविद्यालय केर पंचांग विद्वान ज्योतिषी लोकनि निकालैत छथि आ एकरा 'विश्वविद्यालय पंचांग' सेहो कहल जाइत अछि. ई संस्कृत मे रहैत अछि आ एहि विस्तार सं सब जानकारी देल गेल रहैत अछि. एकरा देखब आ बूझब सब लेल संभव नै, पंडित लोकनि एही मे सं दिन तकैत छथि आ आग्रही कें अन्य सुझाव सब देइत छथि. 

मिथिला पंचांग (Mithila Panchang) आब कतेको प्रकाशन निकालैत अछि जे सहज आ आमजन लेल उपयोगी रहैत अछि. उर्वशी प्रकाशन केर मैथिली पंचांग (Maithili Panchang) अथवा मैथिली पतरा (Maithili Patra) एहि दिशा मे युगांतकारी काज कएलक अछि. 'पॉकेट पंचांग' जे कि छोट रहैत अछि आ सबटा जरूरी जानकारी सहज भाषा मे देल रहैत छै, ई मिथिलावासी आ प्रवासी मैथिल लोकनि मे खूब लोकप्रिय भेल अछि. आब देखा-देखी कतेको प्रकाशन एहन पंचांग निकालि रहल अछि. ई खूब लोकप्रिय भेल अछि आ आब घर-घर एहन पंचांग देखल जाइत अछि.

एतय मिथिला पंचांग - मैथिली पंचांग केर महत्वपूर्ण तिथि, पाबनि-तिहार एकठाम देल गेल अछि जे अहां लेल उपयोगी भ' सकैत अछि. एकरा समय-समय पर अपडेट कएल जाइत अछि.

मिथिला पंचांग अनुसार जुलाइ 2022 केर पावनि-तिहार 

01 जुलाइ - रविदिन - जगन्नाथ रथयात्रा
08 जुलाइ - शुक्रदिन - सौराठ सभा समाप्त
10 जुलाइ - रविदिन - हरिशयनी एकादशी
13 जुलाइ - बुधदिन - गुरु पूर्णिमा
16 जुलाइ - शनिदिन - श्रावनसौर संक्रांति, मासान्त
18 जुलाइ - सोमदिन - मधुश्रावणी पूजा आरम्भ
19 जुलाइ - मंगलदिन - मंगला गौरी पूजन आरम्भ
24 जुलाइ - रविदिन - कामदा एकादशी
25 जुलाइ - सोमदिन - सोमवारी प्रदोष व्रत
26 जुलाइ - मंगलदिन - मंगला गौरी पूजन
28 जुलाइ - बृहस्पतिदिन - श्रावणी अमावस्या
31 जुलाइ - रविदिन - मधुश्रावणी पूजा

मिथिला पंचांग अनुसार अगस्त 2022 केर पावनि-तिहार 

02 अगस्त - सोमदिन - नाग पंचमी
08 अगस्त - सोमदिन - पुत्रदा एकादशी, सोमवारी व्रत 
09 अगस्त - मंगलदिन - मंगला गौरी व्रत
12 अगस्त - शुक्रदिन - रक्षाबंधन, संस्कृत दिवस
15 अगस्त - सोमदिन - 75म स्वतंत्रता दिवस
16 अगस्त - मंगलदिन - मासान्त
18 अगस्त - बृहस्पतिदिन - मासादि
19 अगस्त - शुक्रदिन - कृष्ण जन्माष्टमी व्रत
23 अगस्त - मंगलदिन - जया एकादशी व्रत
27 अगस्त - शनिदिन - कुशोत्पाटिनी अमावस्या
30 अगस्त - मंगलदिन - चौरचन पूजा

मिथिला पंचांग अनुसार सितम्बर 2022 केर पावनि-तिहार

01 सितम्बर - बृहस्पतिदिन - ऋषि पंचमी
06 सितम्बर - मंगलदिन - कर्माधर्मा एकादशी व्रत
08 सितम्बर - बृहस्पतिदिन - भदवा आरम्भ 
09 सितम्बर - शुक्रदिन - अनन्त चतुर्दशी, गणेश विसर्जन 
11 सितम्बर - सोमदिन - पितृपक्ष आरम्भ
13 सितम्बर - मंगलदिन - भदवा समाप्ति
16 सितम्बर - शुक्रदिन - ओठगन
17 सितम्बर - शनिदिन - जितिया व्रत, विश्वकर्मा पूजा
18 सितम्बर - रविदिन - जितिया व्रत पारण 
19 सितम्बर - सोमदिन - मातृनवमी
21 सितम्बर - बुधदिन - इंदिरा एकादशी व्रत
25 सितम्बर - रविदिन - पितृपक्ष सम्पन्न, महालया
26 सितम्बर - सोमदिन - शारदीय नवरात्रि आरम्भ

मिथिला पंचांग अनुसार अक्टूबर 2022 केर पावनि-तिहार

01 अक्टूबर - शनिदिन - बेलनौती
02 अक्टूबर - रविदिन - निशा पूजा
03 अक्टूबर - सोमदिन - महाअष्टमी व्रत
04 अक्टूबर - मंगलदिन - महानवमी व्रत
05 अक्टूबर - बुधदिन - विजयादशमी
06 अक्टूबर - बृहस्पतिदिन - पापांकुशी एकादशी
09 अक्टूबर - रविदिन - कोजगरा, शरद पूर्णिमा
13 अक्टूबर - बृहस्पतिदिन - करवा चौठ
18 अक्टूबर - मंगलदिन - सिमरिया आरम्भ
19 अक्टूबर - बुधदिन - मसादि
21 अक्टूबर - शुक्रदिन - रम्भा एकादशी
22 अक्टूबर - शनिदिन - धनतेरस
24 अक्टूबर - मंगलदिन - दीपावली, कालीपूजा
24, अक्टूबर - मंगलदिन - स्वाति नक्षत्र प्रवेश
25, अक्टूबर - बुधदिन - सूर्य ग्रहण संध्या 4:51सं 5:12
26, अक्टूबर - बृहस्पतिदिन - अन्नकूट, गोवर्धन पूजा
29 अक्टूबर - शनिदिन - छठि व्रतक खरना
30 अक्टूबर - रविदिन - छठि व्रत सांझ अर्घ
31 अक्टूबर - सोमदिन - प्रातः कालिक अर्घ
31 अक्टूबर - सोमदिन - सामा चकेबा आरम्भ

मिथिला पंचांग अनुसार नवम्बर 2022 केर पावनि-तिहार

01 नवम्बर - मंगलदिन - गोपाष्टमी
02 नवम्बर - बुधदिन - अक्षय नवमी, धातरी पूजन
04 नवम्बर - शुक्रदिन - देवउठान एकादशी
05 नवम्बर - शनिदिन - तुलसी विवाह दिवस
07 नवम्बर - सोमदिन - कार्तिक पूर्णिमा, सामा विसर्जन
08 नवम्बर - मंगलदिन - चन्द्र ग्रहण सांझ 5:01 - 6:17 धरि
16 नवम्बर - बुधदिन - काल भैरवाष्टमी, मासान्त
17 नवम्बर - बृहस्पतिदिन - संक्रान्ति, कार्तिक सिमरिया कल्प समाप्त
28 नवम्बर - सोमदिन - नवान्त पार्वण, विवाह पंचमी
30 नवम्बर - बुधदिन - नवान्त पार्वण

मिथिला पंचांग अनुसार दिसम्बर 2022 केर पावनि-तिहार

03 दिसम्बर - शानिदिन - ज्येष्ठ नक्षत्र सूर्य प्रवेश
04 दिसम्बर - रविदिन - मोक्षदा एकादशी, गीता जयंती
07 दिसम्बर - बुधदिन - दत्तात्रेय जयंती
08 दिसम्बर - बृहस्पतिदिन - मार्गशीर्ष पूर्णिमा
15 दिसम्बर - बृहस्पतिदिन - मासान्त
16 दिसम्बर - शुक्रदिन - संक्रांति धनु, सूर्य प्रवेश
17 दिसम्बर - शनिदिन - मासादि
19 दिसम्बर - सोमदिन - सफला एकादशी

मिथिला पंचांग अनुसार जनवरी 2023 केर पावनि-तिहार

02 जनवरी - सोमदिन - पुत्रदा एकादशी
06 जनवरी - शुक्रदिन - कौशकी स्नान
08 जनवरी - रविदिन - रवि पुण्ययोग
12 जनवरी - बृहस्पतिदिन - स्वामी विवेकानंद जयंती
15 जनवरी - रविदिन - तिला संक्रान्ति
18 जनवरी - बुधदिन - पटतिला एकादशी
21 जनवरी - शनिदिन - मौनी अमावस्या
22 जनवरी - रविदिन - गुप्त नवरात्रारम्भ
26 जनवरी - बृहस्पतिदिन - सरस्वती पूजा, गणतंत्र दिवस
Previous Post Next Post