Article 370 Review: यामी गौतम केने छथि जबरदस्त एक्टिंग, कहानी सेहो बेजोड़


Article 370 Movie Review: कश्मीर आ आतंकवाद सं जुड़ल कहानी बॉलीवुड मे बहुत पहिने सं बनि रहल अछि. दर्शक सेहो एहन सिनेमा कें खूब पसंद करैत रहल अछि. एहि कड़ी मे एहि बेर निर्देशक आदित्य सुहास जम्भले फिल्म ‘आर्टिकल 370’ सं लोक कें मनोरंजन करबा लेल मैदान मे उतरल छथि. फिल्म आर्टिकल 370 देश आ कश्मीर सं जुड़ल ऐतिहासिक फैसला कें चित्रित केने अछि.

'आर्टिकल 370' केर दमदार कहानी 'आर्टिकल 370' कें निरस्त करबाक स्ट्रेटजी केर इर्द-गिर्द घूमैत अछि. एकर शुरुआत इंटेलिजेंट ऑफिसर जूनी हक्सर (यामी गौतम) केर खुफिया मिशन सं होइत अछि. जूनी अपन सीनियर खावर (अर्जुन राज) केर परमिशन बिना कमांडर बुरहान वानी केर एनकाउंटर करैत अछि. तकरा बाद कश्मीर मे हिंसा आ अस्थिरता पसरि जाइत अछि. ओम्हर 'आर्टिकल 370' कें निरस्त करबा लेल देशक राजधानी दिल्‍ली मे सरकार गोपनीय ढंग सं रणनीति बनबैत अछि.


फिल्म केर कहानी दिल्ली मे आर्टिकल 370 कें निरस्त करबाक पॉलिटिकल तैयारी आ कश्मीर मे भ्रष्ट नेता आ अलगाववादी सबहक सामना करैत घाटी मे अमन कायम करबाक मुहिम संग आगू बढ़ैत रहैत अछि. ओतहि फिल्म केर क्लाइमैक्स अनुच्छेद 370 कें शांतिपूर्ण ढंग सं निरस्त करबाक नोट पर खत्म खत्म होइत अछि. 

जानकारी हो जे फिल्म केर पहिल भाग बेस तनाव सं भरल अछि. दोसर हाफ मे कहानी कने नरम पड़ल अछि. सेकंड हाफ मे दर्शकक ज्यादातर ध्यान प्रधानमंत्री बनल अरुण गोविल आ गृह मंत्री बनल किरण करमाकर पर राखल गेल अछि. ओना फिल्म मे प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी आ गृह मंत्री अमित शाह केर नाम नहि लेल गेल अछि. 


फिल्म केर कुल रनिंग टाइम 2 घंटा 40 मिनट केर अछि. यामी गौतम केर जबरदस्त परफॉर्मेंस दर्शक कें झकझोड़ि देइत अछि. ओतहि साउथ केर फेमस एक्ट्रेस प्रियामणि एक्टिंग केर मामिला मे यामी गौतम सं कनिको कम नै देखबा मे अबैत छथि.
Previous Post Next Post