अयोध्या मे राम दरबार स्थापित, पाहुन संग जानकी विराजमान


Ayodhya  Ram Mandir: अयोध्या राम मंदिर मे गंगा दशहरा केर शुभ मुर्हूत पर राम दरबार केर प्राण प्रतिष्ठा कएल गेल. एहि अवसर पर सीएम योगी आदित्यनाथ विशेष रूप सँ उपस्थित छलाह. राम दरबार सहित आठ देव विग्रह केर प्राण प्रतिष्ठा गंगा दशहराक शुभ अवसर पर भोर 11:25 सँ 11:40 बजे धरि अभिजीत मुहूर्त मे संपन्न भेल. ब्रह्ममुहूर्त सँ मंदिर प्रांगण मे पंडित, आचार्य आ संत लोकनिक समवेत स्वर, शंखध्वनि व हवन केर गमक एक आध्यात्मिक वातावरण तैयार केने छल. 

राम दरबार कें सजओनिहार प्रख्यात मूर्तिकार सत्य नारायण पांडेय कहलनि अछि जे एक हजार साल धरि राम दरबार केर मूर्ति सुरक्षित रहत. जाहि पाथर सँ मूर्ति सब बनल अछि से जतेक बेर धोअल जाएत ततेक चमकैत रहत. राम मंदिर ट्रस्ट केर महासचिव चंपत राय पाथर चयन मे वैज्ञानिक लोकनिक सेहो मदति लेने छलाह.

मूर्तिकार सत्यनारायण पांडेय कहलनि जे सिंहासन सहित राम दरबार केर मूर्ति केर ऊंचाइ कुल सात फुट होएत. सिंहासन करीब साढ़े तीन फुट ऊंच अछि, जखन कि सीताराम केर विग्रह साढ़े चारि फुट केर अछि. मूर्ति सिंहासन पर स्थापित कएलाक बाद ऊंचाइ एक सँ ड़ेढ फुट कम भेल अछि. एहना मे कुल ऊंचाइ करीब सात फुट धरि रहत. ओतहि हनुमान आ भरत केर मूर्ति बैसल मुद्रा मे छनि, जिनक ऊंचाइ अढाइ फुट अछि. लक्ष्मण व शत्रुघ्न केर मूर्ति ठाढ़ मुद्रा मे छनि, जिनक ऊंचाइ तीन-तीन फुट छनि.


मिथिला केर जनमानस मे जे निराशा छल से अंततः समाप्त भेल. अयोध्या मे जखन रामलला केर विग्रह स्थापित भेल त लोक सीता केर मूर्ति नहि पाबि असंतोष व्यक्त करैत छलाह. भक्त लोकनि केर कहब छलनि जे सीता बिनु राम अधूरा छथि. ओना जन्मस्थान पर पाहुन राम केर बाल अवस्था सँ जुड़ल मूर्ति स्थापना केर पश्चात राम दरबार मे जानकी कें पाबि लोक हर्ष प्रकट क रहलाह अछि. एख तरहें ई भक्तक मनोभावना केर पूर्ति जकां लागि रहल अछि. 

राम दरबार केर स्थापना अयोध्या मे अबस्से होइत कारण बेसीभाग राममंदिर मे रामदरबार केर झांकी भेटैत अछि. मिथिलाक लोक जखन अयोध्या पहुंचताह त' पाहुन राम संग जानकी केर दर्शन करैत संतोष आ सुख केर अनुभूति करताह. राम दरबार मे राम-जानकी संग लक्ष्मण, भरत, शत्रुघ्न सहित प्रिय हनुमान सेहो विराजित छथि.
Previous Post Next Post