Darbhanga Royal Family: महारानी राजकिशोरी केर सादगी रहल चर्चित

kumari-rajkishori-daughter-in-law-of-darbhanga-royal-family-died

दरभंगा महाराज (RAJ DARBHANGA) द्वारा अंतिम घोषित युवराज भातिज जीवेश्वर सिंह केर पत्नी बीतल सोमदिन दरभंगा लहेरियासराय स्थित आवास पर अंतिम सांस लेलनि. ओ 85 वर्षक उम्र मे बलभद्रपुर स्थित अपन आवास पर परलोक गमन केलनि. ओ अपना पाछां दू बेटी आ परिवार छोड़ि गेलीह अछि. बेटी कात्यायिनी आ देव्यानी सात जीएम रोड स्थित राज बंगला मे रहैत छथि. 

ज्ञात हो जे राजकिशोरी केर विवाह 30 जनवरी 1948 कें दरभंगा महाराजक बड़का भातिज युवराज जीवेश्वर सिंह संग भेल छल. महाराज कामेश्वर सिंह अपन एहि भातिज कें युवराज घोषित केने छलाह. राज परिवार सूत्र कहैत अछि जे राजकिशोरी आरम्भहि सं सादगी पसंद करैत छलीह. जहिया राजपाट आ क्षमता रहनि तहियो हिनक सादगी चर्चा मे रहैत छल. 

राजकिशोरी दरभंगाक नरगौना पैलेस मे पहिने रहैत छलीह बाद मे युवराज संगे बेला पैलेस मे शिफ्ट भेल रहथि. सरकार जखन राज संपत्ति कें अधिग्रहण शुरू केलक त' ओ यूरोपियन गेस्ट हाउस आ फेर बलभद्रपुर स्थित आवास मे जिनगी व्यतीत केलनि. कहल जाइछ जे युवराजक निधन भेलाक बाद राजकिशोरी एकांत मे रहब पसंद करैत छलीह.

दरभंगा के आखरी राजकुमार की पत्नी राजकिशोरी जी का निधन,दरभंगा के माधवेश्वर परिसर स्थित शमशान में किया जा रहा हैं अंतिम संस्कार परिवार और राज परिवार से जुड़े कुछ खास लोगों ने दी अंतिम विदाई।।

Posted by Mithila Dekho on Monday, 7 September 2020
 
हिनक मृत्यु सं एक बेर फेर लोक कें दरभंगा महाराज आ राजपाट केर स्मरण भ' आएल अछि. सोशल मीडिया पर एहि कें ल' खूब चर्च देखल जा रहल अछि. मिथिमीडिया टीम हिनक आत्माक चिरशान्तिक कामना करैत अछि.

(मिथिमीडिया एंड्रॉएड ऐप हेतु एतय क्लिक करी. फेसबुकट्विटर आ यूट्यूब पर सेहो फ़ॉलो क' सकै छी.)
Previous Post Next Post