शिवाय प्रोडक्शन्स द्वारा आयोजित होमएबला 'साइनसिने फ़िल्म फेस्टिवल' केर LOGO जारी

Sincine Film Festival

शिवाय प्रोडक्शन्स द्वारा साइनसिने फ़िल्म फेस्टिवल - Sincine Film Festival केर आयोजन शीघ्र होमए जा रहल अछि. एहि माध्यम सं देशहि नै, समूचा दुनिया सं छोट-पैघ सब तरहक फ़िल्म कलाकार लोकनि कें एक वैश्विक मंच प्रदान कएल जाएत. साइनसिने फ़िल्म फेस्टिवल कोनो तरहक भाषायी वा क्षेत्रीय सीमा सं उठि क' नव ओ स्थापित कलाकार लोकनि कें एक मंच पर अनबाक लेल प्रतिबद्ध अछि. जाहि सं फिल्म प्रतिभा कें आगू बढ़बाक अवसर भेटत. ई प्रयास देश-विदेश मे क्षेत्रीय कलाकार कें पहिचान आ मान-सम्मान बढ़ाओत. शिवाय प्रोडक्शन्स दिस सं साइनसिने फ़िल्म फेस्टिवल केर लोगो लॉन्च कएल गेल अछि. फेस्टिवल सं नव कलाकार सब कें एकटा मंच भेटत जाहि सं ओ नामचीन आ अनुभवी कलाकार लोकनि सं बातचीत क' सकताह जाहि सं हुनक हौसला बढ़त. साइनसिने फ़िल्म फेस्टिवल नवतुरिया कलाकार कें विशेष रूप सं प्रोत्साहित करबाक काज करत. मंच केर अभाव मे भटकैत प्रतिभा लेल ई फिल्म फेस्टिवल सुनहरा अवसर अछि.

Here we enter towards first step of our upcoming SinCine Film Festival. The Logo is here... #NewProfilePic #sinicine...

Posted by Sincine Film Festival on Sunday, 6 September 2020
एहि फ़िल्म फ़ेस्टिवल मे शामिल जज आ स्क्रीनिंग टीम केर घोषणा जल्द कएल जाएत. संगहि फेस्टिवल लेल फिल्मक एंट्री सेहो कएल जाएत जाहि हेतु बेवसाइट आ सोशल मीडिया द्वारा जानकारी साझा कएल जाएत. जानकारी हो जे एहि फ़िल्म फ़ेस्टिवल मे फ़िल्मक स्क्रीनिंग अनुभवी आ संबंधित विषय मे पारंगत निर्णायक मंडल द्वारा होएत.
फ़ेस्टिवल विषय मे लगातार अपडेट लेल Sincine Film Festival सं सोशल मीडिया प्लेटफॉर्म पर जुड़ल रही. फेस्टिवल मे विनर केर घोषणा सेहो ऑनलाइन माध्यम सं सार्वजनिक कएल जाएत.

(मिथिमीडिया एंड्रॉएड ऐप हेतु एतय क्लिक करी. फेसबुकट्विटर आ यूट्यूब पर सेहो फ़ॉलो क' सकै छी.)

Previous Post Next Post