शारदा सिन्हा कोरोना कें हरओलनि, देखू वीडियो

sharda-sinha-tests-negative-for-covid-19

मिथिला स्वर कोकिला शारदा सिन्हा कोरोना पर जीत हासिल क’ स्वास्थ्य लाभ केलनि अछि. सोशल मीडिया पर वीडियो शेयर क’ ओ स्वयं एहि बातक पुष्टि केलनि अछि. सोशल मीडिया पर जे वीडियो सोझां आएल अछि, ओहि मे शारदा सिन्हा अस्पताल मे नजरि आबि रहल छथि आ स्वास्थ्य कर्मचारी हुनका फूल माला पहिरा रहल छथि. 

ज्ञात हो जे किछु दिन पहिने सोशल मीडिया पर शारदा सिन्हा केर निधन केर समाचार वायरल भ’ गेल छल जे कि मिथ्या आ अफवाह साबित भेल. एहि घटनाक बाद स्वयं शारदा सिन्हा सोझां आबि लोक सब कें अपन सलामतीक बात कहैत शीघ्र ठीक होएबाक आशा जनओलनि.
 

🙏🙏 हर प्रार्थना मेरी एक एक सांस का सहारा बनी । आप सभी ने अपनी दुआओं से मुझे वापिस स्वस्थ कर दिया । एक एक व्यक्ति का हृदय...

Posted by Sharda Sinha on Saturday, 5 September 2020

एहि सं पहिने शारदा सिन्हा कोरोना संक्रमित होएबाक जानकारी अपने फेसबुक माध्यम सं देने छलीह. ओ वीडियो संदेश जारी क’ कोरोना संक्रमण केर विषय मे बतओने छलीह. शारदा सिन्हा वीडियो संदेश मे कहने छलीह, 'अहां सब कें ई जानि क' कष्ट होएत जे हम कोरोना महामारी केर चपेट मे आबि चुकल छी.' 

Posted by Sharda Sinha on Saturday, 5 September 2020

ओ इहो कहलनि जे ने जानि कोना हुनका ई संक्रमण भेल अछि जखन कि ओ कोनो बाहरी सम्पर्क मे नै रहल छथि. एहना लागि रहल अछि जे कोरोना अपने चलि क' घर धरि आएल अछि. एतेक सावधानी रखलाक बादो हुनका ई संक्रमण भेल अछि ताहि सं ओ स्वयं आश्चर्य मे छथि. 

आब अंततः हमरा सब कें सुखद समाद भेटल अछि जे शारदा सिन्हा स्वस्थ छथि. ओ शीघ्र पहिने जकां सोशल मीडिया पर एक्टिव हेतीह से अपेक्षा. मिथिमीडिया टीम हिनक शतायु, दीर्घायु होएबाक कामन करैत अछि!

(मिथिमीडिया एंड्रॉएड ऐप हेतु एतय क्लिक करी. फेसबुकट्विटर आ यूट्यूब पर सेहो फ़ॉलो क' सकै छी.)

Previous Post Next Post