मिथिमीडिया : सीमित संसाधन आ अनुभव संग डेगा-डेगी


कोनो काज करबाक लेल कटिबद्धता आवश्यक होइ छै। एही कटिबद्धता ओ मातृभाषा प्रति दायित्वबोधक संग हमसब एकटा लुक्खी प्रयास शुरू केने छलहुँ। अनेक झंझावात सहैत ई प्रयास एमकी अपन यात्रा मे 14 वर्ष पूर्ण कएलक अछि से एक बेर फेर असीम उत्साह सँ भरि गेल छी।
 
मिथिमीडिया 15 अगस्त 2012 कें औपचारिक रूप सँ एक अभियान जकाँ शुरू भेल छल। ई बेस संतोषप्रद अछि जे हमरा लोकनि एहि माध्यम कें एतेक साल ने मात्र जिआ लेने छी, अपितु आगाँ सेहो बढ़ा रहल छी। संघर्षे करैत हमरा लोकनि एतेक साल धरि निरंतरता बनओने रखलहुँ अछि।

आरंभहि सँ मिथिमीडिया कें पाठकक प्रेम भेटैत रहल अछि। देश-विदेश मे पसरल मैथिल बेर-बेर मिथिमीडिया पर आबि हालचाल सहित मैथिली साहित्य केर आस्वादन करैत रहैत छथि। मिथिमीडिया वेब पर अपन विधा मध्य एहन महत्वपूर्ण जगह अछि, जतए भाषा-साहित्य सँ लऽ आन-आन विषयक स्तरीय आलेख मैथिली भाषा मे उपलब्ध अछि। कंटेंट क्वालिटी, तकनीक, प्रसार आदि अनेक मोर्चा पर मिथिमीडिया वेब पर मैथिलीक नेतृत्व कऽ रहल अछि।

एहि किछु साल मे हमरा लोकनिक सोझाँ अनेक एहन अवसर आएल अछि, जाहि सँ उत्साह बढ़ैत गेल अछि। ऑनलाइन सुविधा जेना-जेना बढ़ल जा रहल अछि, मिथिलाक सामान्य पाठक, विद्यार्थी, शोधार्थी आदि अनेक लोक एहि पोर्टलक उपयोगी कंटेंट सँ थोड़-बहुत लाभान्वित भऽ रहल छथि। समाजोत्थान मे एकरत्ती 'लुक्खी योगदान' तऽ अबस्से देल अछि, जेना कि किछु प्रतिक्रिया सब हमरा लोकनि धरि पहुँचैत रहैत अछि।
 
मिथिमीडिया एकटा स्तरीय ऑनलाइन पत्रिका, डिजिटल कंटेंट प्लेटफार्म बनल रहए - बढ़ैत रहए ताहि दिशा मे लगातार प्रयास जारी अछि। संगहि एकर सेवा केर विस्तार होइ, एहू दिशा मे काज कएल जा रहल अछि। मिथिमीडिया कतेको कार्यक्रम, अभियान आदि मे सेहो सामर्थ्य अनुरूप संग देइत रहल अछि। भाषा-साहित्य आ मैथिली मीडिया केर विकास हेतु हमरा लोकनि लगातार कतेको प्रोजेक्ट सबहक संग मिलि काज कऽ रहल छी। संगहि एहि यात्राक्रम मे अनेक एहन उपलब्धि सब अछि जे हमरा लोकनि कें उत्साहित करैत रहैत अछि।

मैथिली भाषा मे काज करैत डिजिटल जगत मे अवसर कम छै, मुदा अवसर नहि छै, से आब कहल नहि जा सकैत अछि। मिथिमीडिया अनेक पैघ कंपनी सब संग वेब पर मैथिली सामग्री केर विस्तार हेतु काज केलक अछि, कऽ रहल अछि। आइ गूगल सन बड़का कंपनी हो वा सरकार केर डिजिटल इंडिया सँ जुड़ल उद्यम, मैथिली भाषा मे जे कोनो काज भऽ रहल अछि, ओहि मे मिथिमीडिया केर साक्षात रूप सँ नहि बेस तऽ थोड़-बहुत योगदान जरूर अछि।


समय कखनो आसान कखनो विपरीत होइ छै, मुदा दृढ़ता संग कम सँ कम ठाढ़ रहब जरूरी हाेइ छै। अपने लोकनिक सहयोग, शुभेच्छा सँ हमर कटिबद्धता आओर दृढ़ होइत अछि। एहि चौदह वर्षक यात्राक्रम मे बहुत सहयोगी लोकनि संग अएलाह, जे जतेक डेग संग छलाह, जे संग छथि, हुनका सब कें धन्यवाद कहैत छी।

सबहक सहयोग आ संग सँ ई प्रयास चलैत रहत से विश्वास अछि। सीमित संसाधन आ अनुभव संग मिथिमीडिया डेगा-डेगी बढ़ल जा रहल अछि। पाठक ओ अपन सभ सहयोगी लोकनिक प्रति आभार प्रकट करैत नूतन बरख आ नूतन चुनौती सहित आओर बेसी कार्य अवसर लऽ आबए ताहि शुभकामना संग बधाइ। जय मैथिली!

— रूपेश त्योंथ (संस्थापक सम्पादक) 
Previous Post Next Post