मिथिला मिरर केर संपादक ललित नारायण झा कें पीएचडी उपाधि


मैथिली पत्रकारिताक क्षेत्र मे उल्लेखनीय योगदान देनिहार वरिष्ठ पत्रकार आ मिथिला मिररक संस्थापक-संपादक ललित नारायण झा कें पीएचडी उपाधि प्रदान कएल गेल अछि। ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय, दरभंगाक मैथिली विभागमे सम्पन्न मौखिकी परीक्षा मे सफल भेलाक बाद विश्वविद्यालय द्वारा हुनका "समकालीन मैथिली पत्रकारिताक दशा ओ दिशा" विषय पर कएल गेल शोधक लेल पीएचडी उपाधि प्रदान करबाक स्वीकृति देल गेल। तत्पश्चात 28 जुलाई 2026 कें विश्वविद्यालयक उप परीक्षा नियंत्रक डॉ. सुरेश पासवान औपचारिक रूप सँ हुनका पीएचडी. उपाधि प्रदान कएलनि।

समकालीन मैथिली पत्रकारिताक गंभीर अध्ययन

ललित नारायण झाक शोध-प्रबंध समकालीन मैथिली पत्रकारिताक बदलैत स्वरूप, विकास-यात्रा, चुनौतीसभ आ भविष्यक संभावना पर केन्द्रित अछि। विश्वविद्यालयक विभिन्न प्राध्यापकसभ एहि शोधक मूल्यांकन करैत एकरा विषयवस्तुक दृष्टिसँ अत्यन्त महत्त्वपूर्ण, तथ्यपरक आ शोधपरक कृति कहलनि। हुनक अनुसार ई अध्ययन मैथिली पत्रकारिताक इतिहासकेँ व्यवस्थित रूपमे प्रस्तुत करबाक संगहि वर्तमान पत्रकारितामे भऽ रहल परिवर्तनसभक गम्भीर विश्लेषण सेहो करैत अछि।

शिक्षकसभक मत अछि जे ई शोध भविष्यमे मैथिली पत्रकारितापर अध्ययन करनिहार विद्यार्थी आ शोधार्थीसभ लेल एकटा महत्त्वपूर्ण संदर्भ सामग्री आ मार्गदर्शक ग्रंथ सिद्ध हएत।

प्रो. (डॉ.) नारायण झाक निर्देशन मे सम्पन्न भेल शोध

ई शोधकार्य मैथिली विभागक वरिष्ठ विद्वान प्रो. (डॉ.) नारायण झाक निर्देशनमे सम्पन्न भेल। शोधक क्रममे समकालीन पत्रकारिताक विविध आयाम, डिजिटल परिवर्तन, भाषा, समाज आ मीडियाक परस्पर सम्बन्धसभक व्यापक अध्ययन कएल गेल।

दू दशकसँ पत्रकारितामे सक्रिय

मूल रूपसँ बिहारक मधुबनी जिलाक मैलाम गाम निवासी स्वर्गीय राजेन्द्र झा आ स्वर्गीय निर्मला देवीक ज्येष्ठ पुत्र ललित नारायण झा लगभग दू दशकसँ व्यावसायिक पत्रकारितासँ जुड़ल छथि। विशेष रूपसँ ओ डेढ़ दशकसँ बेसी समय धरि मैथिली टेलीविजन आ डिजिटल पत्रकारितामे सक्रिय भूमिका निभा रहल छथि आ एहि क्षेत्रक प्रमुख हस्ताक्षरक रूपमे अपन विशिष्ट पहचान बना चुकल छथि।

'मिथिला मिरर' सँ डिजिटल पत्रकारिताकेँ भेटल नव पहचान

15 अगस्त 2013 केँ राष्ट्रीय राजधानी नई दिल्लीसँ ललित नारायण झा मिथिला मिररक स्थापना कएलनि। मैथिली पत्रकारिताक इतिहासमे ई पहल डिजिटल आ दृश्य-श्रव्य पत्रकारिताक क्षेत्रमे एकटा महत्त्वपूर्ण उपलब्धिक रूपमे देखल जाइत अछि। मिथिला मिरर मैथिली पत्रकारिताकेँ परम्परागत प्रिन्ट माध्यमसँ आगाँ बढ़ा डिजिटल मंच धरि पहुँचयमे उल्लेखनीय भूमिका निभौने अछि।

इलेक्ट्रॉनिक आ डिजिटल मीडिया दुनूमे व्यापक अनुभव

देशक विभिन्न प्रतिष्ठित मीडिया संस्थानमे कार्य करबाक अतिरिक्त ललित नारायण झा भारत सरकारक इलेक्ट्रॉनिक मीडिया मॉनिटरिंग सेंटर (EMMC) मे सेहो लगभग एक दशक धरि सेवा दऽ चुकल छथि। समाचार संकलन, रिपोर्टिंग, लेखन, सम्पादन, एंकरिंग, वीडियो पत्रकारिता, डिजिटल मीडिया प्रबंधन आ इलेक्ट्रॉनिक मीडिया सहित पत्रकारिताक लगभग सभ प्रमुख क्षेत्रमे हुनका व्यापक अनुभव अछि।

पी-एच.डी.क एहि उपलब्धिक बाद सोशल मीडिया सहित विभिन्न माध्यमसँ हुनका लगातार बधाई आ शुभकामना भेटि रहल अछि। मैथिलीक वरिष्ठ साहित्यकार प्रो. भीमनाथ झा, प्रो. अरुण कुमार कर्ण, प्रो. (डॉ.) नारायण झा, प्रो. दमन कुमार झा, प्रो. अशोक कुमार मेहता, डॉ. सुरेश पासवान, डॉ. शैलेन्द्र मोहन मिश्र, वरिष्ठ पत्रकार विजय देव झा, कुन्दन कुमार मिश्र, प्रवीण झा सहित अनेको साहित्यकार, पत्रकार, शिक्षाविद् आ मैथिली समाजक प्रबुद्धजन हुनका एहि उपलब्धिपर शुभकामना जनबैत उज्ज्वल भविष्यक कामना कएलनि।

मैथिली भाषा आ पत्रकारितासँ जुड़ल लोकनिक मानब अछि जे ई उपलब्धि केवल ललित नारायण झाक व्यक्तिगत सम्मान नहि, बल्कि समकालीन मैथिली पत्रकारिताक अकादमिक अध्ययनकेँ नव दिशा देबाक दिशामे एकटा महत्त्वपूर्ण उपलब्धि अछि।
Previous Post Next Post