नेपाल मे बालेन युग शुरू भ' गेल अछि। 35 वर्षीय बलेन्द्र शाह, जे बालेन नाम सँ जानल जाइत छथि, 45म प्रधानमन्त्री रूप मे शपथ लेलनि अछि। बालेन शाह राष्ट्रीय स्वतंत्र पार्टी माध्यम सँ जीत दर्ज क' इतिहास रचलनि। राष्ट्रपति कार्यालय मे आयोजित भव्य समारोह मे बालेन शाह प्रधानमन्त्रीक शपथ लेलनि। पद आ गोपनीयताक शपथ हिन्दू संस्कारक अनुसार होइत संपन्न भेल। एहि वर्ष रामनवमी केर विशेष दिन बालेन शाह शपथ ग्रहण केलनि।
नेपाल मे भेल जेन-जी आन्दोलन मे बालेन केर लोकप्रियताक झलक भेलटल छल। युवा सब बालेन कें प्रधानमंत्री बनेबाक मांग करैत आबि रहल छल। हुनका लोकनिक इच्छा आब पूरा गेल अछि। ध्यान देबऽ बला बात छै जे बालेन शाह चारि बेरक प्रधानमंत्री केपी शर्मा ओली कें भारी अंतर सँ हरा पद पर काबिज भेलाह अछि।
नेपालीय मिथिलाक मैथिली भाषी परिवार मे जन्मल शाह भारतक विश्वेश्वराय टेक्नोलॉजिकल यूनिवर्सिटी सँ स्ट्रक्चरल इंजीनियरिंग मे स्नातकोत्तर डिग्री अर्जित करबा सँ पहिने काठमांडू मे स्नातक केर डिग्री पूरा केलनि। इंजीनियरिंग केर शैक्षणिक पृष्ठभूमि काठमांडू महानगरक मेयर रूप मे हुनक कार्यशैली आ शासन कें मजबूत करबा मे महत्वपूर्ण भूमिका निमाहलक। जानकारी हो कि ओ एकटा रैपर रूप मे जनताक बीच लोकप्रिय भेलाह आ फेर राजनीति मे डेग बढ़ओलनि।
एकटा रैपर आ इंजीनियर सँ प्रधानमंत्री पद धरि हुनक यात्रा असामान्य तऽ अछिए, नेपालक बदलैत राजनीतिक संस्कृतिक प्रतीक सेहो बनि गेल अछि।
रैप सँ शुरुआत: राजनीति मे प्रवेश करबा सँ पहिने बालेन शाह नेपालक हिप-हॉप रेप केर दुनिया मे एकटा सुप्रसिद्ध नाम छल। अपन गीतक माध्यम सँ सामाजिक असमानता, भ्रष्टाचार, आ युवा मामिला के प्रमुखता सँ संबोधित करैत छलाह। हुनक संगीत खाली मनोरंजन नै छल, बल्कि सिस्टम केर खिलाफ आवाज छल। एहि कारण सँ जेन-जी मध्य बालेन केर लोकप्रियता बढ़ैत गेल।
विद्रोही चेहरा: बालेन केर राजनीतिक प्रवेश पारंपरिक दल सँ अलग छल। ओ पहिने स्वयं कें स्वतंत्र उमेदवार रूप मे प्रस्तुत केलनि। ओ एकटा एहन नेताक छवि बनौलनि जे व्यवस्था सँ बाहर सँ आबि ओकरा बदलबाक दावा करैत छल-आ ई बात युवा लोकनि कें सबसँ बेसी आकर्षित केलक। 2022 मे काठमांडू महानगरपालिका मेयर रूप मे हिनक जीत ऐतिहासिक रहल। ओ पैघ राजनीतिक दल सँ बेसी काज करैत जनता केर विश्वास जीत लेलथि। मेयर बनलाक बाद ओ किछु कठोर आ त्वरित फैसला लेलनि, जेना अवैध संरचना पर दबाव बनाएब, सार्वजनिक स्थान केर संरक्षण, आ शहरी प्रबंधन मे सुधार। ई सब डेग हुनका "एक्शन-ओरिएंटेड" नेता रूप मे स्थापित केलक।
प्रदर्शन आ युवा नेतृत्व: नेपाल मे जेन-जी आन्दोलनक प्रतीक बालेन शाह मानल जाइत अछि। युवा पीढ़ी कें राजनीति केर निकट अनबा मे हिनक भाषा, सोच, आ कार्यशैली केर प्रमुख भूमिका छल। सोशल मीडिया केर प्रभावी उपयोग आ सीधा संवाद शैली हुनका युवा केर "अपन नेता" रूप मे स्थापित केलक।
विवादित निर्णय: हुनक निर्णयक प्रशंसा भेल ओतहि अनेक विवाद सेहो उत्पन्न भेल। अवैध संरचना कें हटएबाक काज लेल ओ आलोचना केर केंद्र मे छलाह। प्रशासनिक प्रक्रिया कें बाइपास करबाक आरोप सेहो लगाओल गेल छल। अभिव्यक्ति आ नीति केर बीच संतुलन पर सवाल उठल। कखनो काल हुनक काज आ बयान सब आक्रामक जानि पड़ैत छल।
आम निर्वाचन आ दू तिहाई बहुमत: राष्ट्रीय राजनीति मे प्रवेश केलाक बाद बालेन शाह आम चुनाव मे अभूतपूर्व सफलता प्राप्त केलनि। हुनक नेतृत्व मे राष्ट्रीय स्वतंत्र पार्टी केर संसद मे दू तिहाइ बहुमत प्राप्त भेल - नेपाल केर राजनीति मे ई एकटा बड़का मोड़ साबित भेल अछि। ई जनादेश परिवर्तन, पारदर्शिता, आ नव नेतृत्व प्रति जनताक विश्वासक झलक छल। एहि ऐतिहासिक विजयक बाद बालेन शाह नेपालक प्रधानमंत्री नियुक्त भेलाह। हुनक नियुक्ति कें "नव युग" रूप मे देखल जा रहल अछि। बालेन शाहक कथा मात्र एक व्यक्तिक सफलता नहि, नेपालक बदलैत राजनीतिक मानसिकताक प्रतिबिंब अछि। रैप सँ राजनीति मे हुनक यात्रा ई बात कें दर्शाबैत छै जे नव पीढ़ी आब खाली दर्शक नै रहै छै बल्कि परिवर्तन केर क्षमता रखैत छै।
