मिथिमीडिया

शिक्षाविद भोगेन्द्र झा केर आकस्मिक निधन, मिथिला समाज मे शोक व्याप्त


कोलकाता: प्रख्यात शिक्षाविद आ समाजसेवी भोगेन्द्र झा (70) केर आकस्मिक निधन सोमदिन (20 अप्रील 2026) कें कोलकाता मे भेलनि। हिनक निधन सँ महानगर सहित सम्पूर्ण मिथिला समाज मे गहींर शोक व्याप्त भ’ गेल अछि। निधन केर खबरि सँ शिक्षा जगत, सामाजिक संगठन आ शुभचिंतक लोकनि मे शोक केर लहरि पसरि गेल अछि। ओ एकटा सफल शिक्षाविद मात्र नहि छलाह, बल्कि समाज कें दिशा देनिहार एक दूरदर्शी व्यक्तित्व छलाह।

भोगेन्द्र झा अपन जीवनक अधिकांश समय शिक्षाक क्षेत्र कें समर्पित केने छलाह। बागुइआटी अंचल मे जखन गुणवत्तापूर्ण विद्यालयक भारी कमी छल, तखन ओ एहि आवश्यकता कें बुझैत कतेको शिक्षण संस्थानक स्थापना केलनि। हुनक प्रयास सँ हजारो विद्यार्थी कें बेहतर शिक्षा प्राप्त करबाक अवसर भेटल। ओ मानैत छलाह जे शिक्षा ओ माध्यम अछि, जाहि सँ समाजक सभ वर्ग कें सशक्त बनाओल जा सकैत अछि आ जीवन मे सफलताक बाट फोलल जा सकैत अछि।

कलकत्ता पब्लिक स्कूल केर चेयरमैनक रूप मे ओ संस्थान कें नव उँचाइ पर पहुँचओलनि। हुनक नेतृत्व मे विद्यालय केवल शैक्षणिक उत्कृष्टता मे नहि, बल्कि अनुशासन, नैतिकता आ सामाजिक मूल्यक लेल सेहो अपन अलग पहचान बनौलक। ओ छात्रसभक सर्वांगीण विकासक पक्षधर छलाह आ सदिखन एहि बात पर जोर देइत छलाह जे शिक्षा केवल किताबक ज्ञान तक सीमित नहि रहि, बल्कि व्यक्तित्व निर्माणक माध्यम बनए।

मूल रूप सँ मिथिलाक मधुबनी जिलाक बेनीपट्टी-नवकरही गामक निवासी भोगेन्द्र झा अपन गाम कें कखनो नहि बिसरलनि। ओ अपन गाम आ जिला मे सेहो विद्यालयक स्थापना क’ बच्चासभक भविष्य संवारबाक महत्वपूर्ण काज केलनि। प्रवास मे रहितो ओ मिथिलाक भाषा, संस्कृति आ समाजक लोकसभक लेल सदिखन तत्पर रहलाह। हुनकर एहि समर्पण हुनका केवल शिक्षाविदटा नहि, बल्कि एक सुच्चा समाजसेवीक रूप मे स्थापित कएलक।

भोगेन्द्र बाबूक व्यक्तित्व अत्यंत सरल, सौम्य आ प्रेरणादायक छल। ओ विद्यार्थी, शिक्षक आ अभिभावक सभक बीच समान रूप सँ लोकप्रिय छलाह। हुनकर मान्यता छल जे एकटा शिक्षक केवल पढ़बएबला नहि, बल्कि समाजक मार्गदर्शक होइत अछि। एहि सोचक संग ओ अपन संस्थान सभ मे शिक्षकसभ कें उच्च आदर्शक संग काज करबाक प्रेरणा देलनि।

हुनक आकस्मिक निधन सँ सभ कियो स्तब्ध अछि। ककरो विश्वास नहि भ’ रहल अछि जे शिक्षा जगतक ई उज्ज्वल सितारा आब हमरा सभक बीच नहि रहलाह। विभिन्न सामाजिक आ शैक्षणिक संगठनसभ हुनकर निधन पर गहींर शोक व्यक्त केलनि आ एकरा अपूरणीय क्षति बतौलनि।

मिथिला समाजक लोकसभ हुनका एकटा एहन व्यक्ति रूप मे याद क’ रहल छथि, जे मात्र शिक्षा क्षेत्र मे योगदान नहि देलनि, बल्कि सामाजिक एकता आ सांस्कृतिक मूल्य कें सेहो सशक्त बनौलनि। हुनका द्वारा स्थापित संस्थान सभ आइयो हुनक आदर्श आ विचार कें आगाँ बढ़ा रहल अछि।

भोगेन्द्र झा केर जीवन आ हुनक काज आगामी पीढ़ी लेल प्रेरणाक स्रोत बनल रहत। ओ अपन पाछां दू पुत्र, एक पुत्री, नाती-पोता सहित भरलपूरल परिवार, सखा-शुभचिंतक सभ कें छोड़ि गेलाह अछि। इश्वर सँ प्रार्थना अछि जे दिवंगत आत्मा कें शांति प्रदान करथि आ शोक संतप्त परिवार कें एहि कठिन समय मे धैर्य आ शक्ति देथि।
Previous Post Next Post