केंद्रीय शिक्षक पात्रता परीक्षा (CTET) मे मैथिली भाषा कें शामिल कएल गेल अछि. केंद्रीय शिक्षक पात्रता परीक्षा के लेल आवेदन 11 मइ सं 10 जून तक खुलत, आओर परीक्षा 6 सितंबर कें होएत. विभिन्न विषयक लेल जानकारी प्रकाशित कयल गेल अछि, मैथिली भाषा (Maithili Language) कोड 25 कें संग, जे ई सिद्ध करैत अछि जे आब मैथिली कें औपचारिक रूप सँ केंद्रीय शिक्षक पात्रता परीक्षा मे शामिल कएल गेल अछि.
ई जानकारी लोकसभा मे सांसद आ भाजपा सचेतक डॉ. गोपालजी ठाकुर द्वारा प्रेस विज्ञप्ति मे देल गेल अछि. ओ कहलनि जे केंद्रीय शिक्षक पात्रता परीक्षा मे मैथिली भाषा कें शामिल करब 8.5 करोड़ मिथिलावासी लेल गौरवक विषय अछि. केंद्र सरकार केर एहि डेग सँ मैथिली भाषी अभ्यर्थी सब कें शिक्षक पात्रता परीक्षा मे अपन मातृभाषा चुनबाक अधिकार भेटतै, जाहि सँ लाखो मैथिली भाषी विद्यार्थी लोकनि कें रोजगारक अवसर भेटतै.
केंद्र सरकार द्वारा शिक्षक पात्रता परीक्षा मे मैथिली कें शामिल करब मिथिला क्षेत्र लेल वरदान बताबैत ओ कहलनि जे, कक्षा 6 सं 10 तक पढ़ाइ लेल केंद्रीय शिक्षक पात्रता परीक्षा मे मैथिली कें शामिल कएला सँ नव रोजगार केर अवसर बढ़त आ संगंहि राष्ट्रीय स्तर पर मैथिली भाषा केर विस्तार सेहो होएत. केंद्रीय शिक्षक पात्रता परीक्षा मे मैथिली कें शामिल कएला सँ देश भरि मे सब प्रकारक सरकारी स्कूल मे शिक्षण केर अवसर भेटत, आ मैथिली भाषा कें विकास, संरक्षण, आ संवर्धन लेल वरदान साबित होएत.
एहि संबंध मे अपन पहल आ प्रयास पर चर्चा करैत ओ कहलनि जे सरकार कें कहल गेल अछि जे मैथिली भाषी क्षेत्रक स्कूल मे कक्षा 6 सँ 10 तक मैथिली भाषा केर शिक्षा शुरू कएल जाए आ एहि भाषा मे पाठ्यपुस्तक उपलब्ध कराओल जाए. मैथिली भाषाक प्रति केंद्र सरकार केर प्रतिबद्धता आ संवेदनशीलता लेल ओ प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी, गृहमंत्री अमित शाह, शिक्षा मंत्री धर्मेन्द्र प्रधान आ मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी कें आभार व्यक्त केलनि.
