छात्र लोकनिक आन्दोलन उपरान्त धर्मेन्द्र प्रधान (Dharmendra Pradhan) कें शिक्षा मंत्रालय सँ इस्तीफा देबए पड़लनि। एकर बाद जखन ओ संसद पहुँचैत छथि तऽ हुनक भव्य स्वागत होइत अछि। स्वागत मिथिला परम्परा (Mithila Tradition) अनुसार पाग-दोपटा संग सांसद गोपाल जी ठाकुर द्वारा होइत अछि। मीडिया मे एकर खूब चर्च होइत अछि, संगहि प्रश्न उठाओल जाइत अछि। इस्तीफा पश्चात बैकफुट पर गेल पूर्व मंत्री कें एहन भव्य स्वागत केर कोन प्रयोजन, कोन काज!
गोपाल जी ठाकुर स्वयं सोशल मीडिया माध्यम सँ विस्तारपूर्वक लिखलनि अछि जे किएक इस्तीफा केर बादहु धर्मेन्द्र प्रधान केर स्वागत केलनि, सम्मान देलनि।
Gopal Jee Thakur लिखैत छथि, "शिक्षाक माध्यम सँ मिथिला कें नव पहचान, मैथिली कें नव सम्मान आ दरभंगा कें नव उड़ान देनिहार यशस्वी जननेता माननीय श्री धर्मेन्द्र प्रधान जीक योगदान सदिखन स्मरणीय रहत। शिक्षा जगत मे हुनकर दूरदर्शी निर्णय कें मिथिलाक आबएवला पीढ़ी सभ सदिखन मोन राखत।"
संसद परिसर मे माननीय श्री धर्मेन्द्र प्रधान जीक मिथिलाक गौरवशाली परंपराक प्रतीक पाग आ अंगवस्त्र सँ आत्मीय स्वागत आ अभिनन्दन करबाक सौभाग्य भेटल।
हुनकर कार्यकाल मे मिथिला, दरभंगा आ मैथिली भाषा कें शिक्षा क्षेत्र मे भेटल प्रमुख उपलब्धि—
1. राष्ट्रीय शिक्षा नीति (NEP-2020) केर माध्यम सँ मातृभाषा आधारित शिक्षा कें राष्ट्रीय प्राथमिकता देल गेल।
2. CBSE केर पाठ्यक्रम मे मैथिली भाषा कें शामिल करबाक ऐतिहासिक निर्णय लेल गेल।
3. CTET मे मैथिली भाषा कें शामिल कऽ लाखो युवा लेल राष्ट्रीय स्तर पर नव अवसर उपलब्ध कराओल गेल।
4. NCERT द्वारा भारतीय भाषा आ मातृभाषा सभक संरक्षण तथा अध्ययन सामग्री तैयार करबाक दिशा मे महत्वपूर्ण पहल कएल गेल।
5. PM SHRI विद्यालय योजनाक अंतर्गत दरभंगाक चयनित विद्यालयसभ कें आधुनिक शिक्षा, स्मार्ट क्लास, विज्ञान प्रयोगशाला आ डिजिटल सुविधा सँ जोड़ल गेल।
6. दरभंगाक केंद्रीय विद्यालयसभ कें सुदृढ़ करबाक आ गुणवत्तापूर्ण शिक्षाक विस्तार लेल उल्लेखनीय पहल कएल गेल।
7. दरभंगा मे केंद्रीय विद्यालय संख्या–3 (AIIMS परिसर) केर स्थापनाक दिशा मे महत्वपूर्ण प्रगति भेल।
8. ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय कें राष्ट्रीय उच्च शिक्षा सुधार कार्यक्रम आ शैक्षणिक पहलसभ सँ जोड़ल गेल।
9. भारतीय भाषाक संरक्षण आ संवर्धनक राष्ट्रीय नीति मे मैथिली जकाँ भारतीय भाषा कें नव उर्जा आ संस्थागत महत्व भेटल।
10. डिजिटल शिक्षा, कौशल विकास, शोध आ नवाचार आधारित शिक्षा कें बढ़ावा दऽ मिथिलाक विद्यार्थीसभ लेल नव अवसर सृजित कएल गेल।
11. दरभंगा मे दूटा केंद्रीय विद्यालयक माध्यम सँ हजारो विद्यार्थी कें गुणवत्तापूर्ण केंद्रीय शिक्षा व्यवस्थाक लाभ लगातार भेटि रहल अछि।
12. मिथिलाक भाषा, संस्कृति आ शिक्षा कें राष्ट्रीय स्तर पर सम्मान दिएबाक दिशा मे अनेक ऐतिहासिक निर्णय लऽ एहि क्षेत्रक शैक्षणिक पहचान कें नव मजबूती प्रदान कएल गेल।
मिथिलाक जनता कें पूर्ण विश्वास अछि जे शिक्षा, मातृभाषा आ युवा सभक भविष्य प्रति अहाँक ई प्रतिबद्धता आबयवला वर्षसभ मे सेहो प्रेरणाक स्रोत बनल रहत।
मिथिलाक दिस सँ माननीय श्री धर्मेन्द्र प्रधान जी कें हार्दिक धन्यवाद आ अभिनन्दन।
जय मिथिला! जय मैथिली! जय भारत! 🇮🇳
