UNLOCK-4: केंद्र आ राज्य देलक 'हरी झंडी', कोलकाता मे मेट्रो सेवा शीघ्र होएत शुरू


कोरोना संकटक बीच केंद्र आ बंगाल सरकार दिस सं मेट्रो सेवा फेर बहाल करबाक 'हरी झंडी' देल गेल अछि. कोलकाता मेट्रो प्रबंधन मेट्रो रेक आ स्टेशन सबहक साफ-सफाइ एवं सैनिटाइजेशन केर काज शुरू क' देलक अछि. सब किछु ठीक रहल त' करीप साढे 5 मासक बाद फेर कोलकाता मे मेट्रो दौगए लागत.

केंद्र सरकार अनलॉक 4.0 मे 7 सितंबर सं मेट्रो सेवा शुरू करबाक छूट देलक अछि. बंगाल सरकार 8 सितंबर सं कोलकाता मे चरणबद्ध तरीका सं मेट्रो सेवा शुरू करबाक मंजूरी देलक अछि. राज्यक गृह सचिव अलापन बंधोपाध्याय रेलवे बोर्ड चेयरमैन विनोद कुमार यादव कें पत्र लिखि मेट्रो व लोकल ट्रेन परिसेवा फेर शुरू करबाक अनुरोध केलनि अछि. हालांकि रेल मंत्रालय दिस सं एखन धरि मेट्रो व लोकल ट्रेन चलएबाक कोनो आधिकारिक आदेश नहि आएल अछि. उमेद कएल जा रहल अछि जे रेलवे बोर्ड एहि सम्बन्ध मे शीघ्र फैसला लेत.

ओना फैसला अएबा सं पहिने कोलकाता मेट्रो प्रबंधन मेट्रो रेक केर मरम्मतिक आ साफ-सफाइ शुरू क' देलक अछि. प्रत्येक कोच कें सैनिटाइज्ड कएल जा रहल अछि. ओतहि स्टेशन सबहक साफ-सफाइ सेहो कएल जा रहल अछि. मेट्रो केर जीएम अधिकारी लोकनिक संग बैसक क' समुचित तैयारी केर निर्देश देने छलाह.

ज्ञात हो जे राज्य सरकार शारीरिक दूरी व कोरोना प्रोटोकॉल केर पालन करैत मेट्रो संचालन केर इजाजति देलक अछि. मेट्रो सेवा शुरू भेने भीड़ बढ़बाक अंदेशा सं मेट्रो प्रबंधन राज्य सरकार व कोलकाता पुलिस केर सम्पर्क मे अछि. 

(मिथिमीडिया एंड्रॉएड ऐप हेतु एतय क्लिक करी. फेसबुकट्विटर आ यूट्यूब पर सेहो फ़ॉलो क' सकै छी.)
Previous Post Next Post