शारदा सिन्हा कोरोना पॉजिटिव, सोशल मीडिया पर जारी केलनि वीडियो

sharda-sinha-corona-positive

कोरोना अपन पसार लगातार बढ़ओने जा रहल अछि. आमजन मे ई तेजी सं पसरिए रहल अछि, सेलिब्रिटी लोकनि कें सेहो चपेट मे ल' रहल अछि. स्वर कोकिला शारदा सिन्हा कोरोना संक्रमित (Sharda Sinha Corona Positive) छथि से ओ स्वयं वीडियो जारी क' सार्वजनिक केलनि अछि. देशभरि मे हुनक स्वास्थ्य लाभक कामना कएल जा रहल अछि.
शारदा सिन्हा वीडियो संदेश मे कहलनि अछि, 'अहां सब कें ई जानि क' कष्ट होएत जे हम कोरोना महामारी केर चपेट मे आबि चुकल छी.' ओ इहो कहलनि जे ने जानि कोना हुनका ई संक्रमण भेल अछि जखन कि ओ कोनो बाहरी सम्पर्क मे नै रहल छथि. एहना लागि रहल अछि जे कोरोना अपने चलि क' घर धरि आएल अछि. एतेक सावधानी रखलाक बादो हुनका ई संक्रमण भेल अछि ताहि सं ओ स्वयं आश्चर्य मे छथि.
स्वर कोकिला लोक सब सं अपन ध्यान रखबाक बात कहलनि संगहि ईश्वर सं हुनका लेल कामना करबाक लेल सेहो आग्रह केलनि. ओ कहलनि जे जखन ओ स्वस्थ भ' आपस अएतीह त' सबहक सोझां पहिने जकां फेर रहतीह.
ज्ञात हो जे सोशल मीडिया पर लाइव कार्यक्रम केर माध्यम सं मिथिला कोकिला शारदा सिन्हा लगातार कलाप्रेमी लोकनिक बीच एक्टिव छलीह. मिथिमीडिया टीम हुनक शीघ्र स्वास्थ्य लाभक कामना करैत अछि. संगहि पाठक लोकनि सं आवश्यक सावधानी रखबाक आग्रह करैत अछि.

(मिथिमीडिया एंड्रॉएड ऐप हेतु एतय क्लिक करी. फेसबुकट्विटर आ यूट्यूब पर सेहो फ़ॉलो क' सकै छी.) 

Previous Post Next Post