Amrit Bharat Express : मिथिला सं अयोध्या यात्रा हेतु अमृत भारत ट्रेन


Amrit Bharat Express : प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी अयोध्या मे अमृत भारत ट्रेन कें हरियर झंडी देखओलनि. एकर अतिरिक्त, पीएम मोदी पुनर्विकसित अयोध्या धाम रेलवे स्टेशन केर उद्घाटन सेहो केलनि. अमृत भारत एक्सप्रेस ट्रेन केर परिचालन मिथिलाक दरभंगा सं अयोध्या होइत दिल्ली केर आनंद विहार स्टेशन धरि भ रहल अछि. 

अयोध्या लेल अमृत भारत एक्सप्रेस ट्रेन केर किराया सेहो तय अछि. सामान्य आ स्लीपर कोचबला एहि ट्रेन केर दरभंगा सं अयोध्या धरिक किराया क्रमश: 200 टाका ओ 350 टाका अछि. नव दिल्ली धरि टिकट केर कीमत सामान्य कोच मे 351 टाका आ स्लीपर कोच मे 585 टाका अछि. एहि संबंध मे रेलवे बोर्ड किराया तालिका जारी केने अछि.

नबका साल मे भगवा रंगक पहिल अमृत भारत एक्सप्रेस 1 जनवरी सं समस्तीपुर रेलवे डिविजनक तहत दरभंगाक बीच अयोध्या होइत आनंद विहार टर्मिनल (नव दिल्ली) बीच चलब प्रस्तावित अछि. दरभंगा जंक्शन सं 15557 नंबर केर ट्रेन सप्ताह मे दू दिन सोम आ बृहस्पतिदिन कें चलि रहल अछि. ओतहि 
15558 नंबर केर ट्रेन आनंद विहार टर्मिनल सं सप्ताह मे दू बेर मंगल आ शुक्र दिन चलि रहल अछि. ई ट्रेन श्रीराम केर नगर अयोध्या कें माता सीता केर भूमि सीतामढ़ी (मिथिला) सं जोड़ैत अछि.

वंदे भारत जकां एहि पुश-पुल ट्रेन मे सेहो दुनू कात शक्तिशाली इंजन अछि. सामनेक इंजन ट्रेन खींचत, पाछूक इंजन धक्का देत. दुनू इंजन चलला सं ट्रेनक गति बढ़त. 
मंडल रेल प्रबंधक (डीआरएम) विनय श्रीवास्तव मंथन सभागार मे आयोजित एकटा प्रेस कॉन्फ्रेंस मे ई जानकारी देलथि. ओ कहला जे ट्रेन मे 12टा स्लीपर, आठटा जनरल, एक-एकटा पार्सल वैन आ ब्रेक वैन (गार्ड वैन) सहित कुल 22टा कोच लगाओल गेल अछि.

रेलवे बोर्ड के संयुक्त निदेशक कोचिंग संजय कुमार नीलम समय सारिणी जारी केलनि. एहि अवसर पर अपर संभागीय रेल प्रबंधक जेके सिंह, आलोक कुमार झा आदि उपस्थित छलाह. 
दरभंगा जंक्शन सं 15557 नंबरक ट्रेन हर सोम आ गुरुवार कें दुपहर 03:00 बजे सं प्रस्थान करैत अछि. एकर बाद कमतौल, जनकपुर रोड, सीतामढ़ी, बैरागनिया, रक्सौल, नरकटियागंज, बगहा, कप्तानगंज, गोरखपुर, बस्ती, मनकापुर स्टेशन पर रुकि कें 02:30 बजे अयोध्या स्टेशन पहुंचत. फेर लखनऊ, कानपुर सेंट्रल स्टेशन, इटावा, टुंडला, अलीगढ़ जंक्शन होइत ई राति 12:35 बजे आनंद विहार टर्मिनल पर पहुँचत. ई ट्रेन (15558) आनंद विहार टर्मिनल सं दरभंगा तक हर मंगल आ शुक्र दिन दुपहर 03:10 बजे चलैत अछि. ट्रेन 01:10 बजे अयोध्या पहुंचैत अछि, एकर बाद 11:50 बजे दरभंगा जंक्शन पहुंचैत अछि.
Previous Post Next Post