विश्व कविता दिवस : साहित्य अकादेमी द्वारा बहुभाषी कवि सम्मिलन


साहित्य अकादेमी द्वारा क्षेत्रीय कार्यालय, कोलकाता मे विश्व कविता दिवस केर अवसर पर एक बहुभाषी कवि सम्मिलन केर आयोजन कएल गेल. जकर अध्यक्षता प्रतिष्ठित हिंदी कवि प्रभात पांडेय केलनि. पहिने अकादेमी केर क्षेत्रीय सचिव देवेंद्र कुमार देवेश स्वागत भाषण देइत कवि लोकनिक संवेदनशीलता एवं विशिष्ट अनुभूति आ कविता केर विशिष्ट महत्व कें रेखांकित केलनि.

कार्यक्रम मे बांग्ला केर चर्चित कवि राहुल पुरकायस्थ अपन कविता गुच्छ ‘जे दिके गृहेर पथ’ केर अनेक मर्मस्पर्शी कविता सभक पाठ केलनि. अंग्रेजी कवयित्री निशी पुलुगुर्था द्वारा पठित कविता विशेष क' अल्जाइमर रोग सं शिकार व्यक्ति सबसं जुड़ल कविता सबकें द्रवित कएलक. 

युवा मैथिली कवि रूपेश त्योंथ अपन अनेक कविता सबहक पाठ हिन्दी अनुवाद सहित प्रस्तुत केलनि. सभाध्यक्ष प्रभात पांडेय आम जनजीवन केर अनुभव सं सिक्त कविता सबहक पाठ केलनि. संगहि अपन सद्यःप्रकाशित कविता पुस्तक ‘उमराव जान’ केर एक अंश केर पाठ प्रस्तुत केलनि. कार्यक्रम केर संचालन आ औपचारिक धन्यवाद ज्ञापन अकादेमी केर सहायक संपादक क्षेत्रवासी नायक द्वारा कएल गेल.

कार्यक्रम मे मैथिली कवि विनय भूषण, मिथिलेश कुमार झा, संतोष मिश्र सहित अनेक कविता प्रेमी लोकनि उपस्थित छलाह. विश्व कविता दिवस पर एकटा आवश्यक आ महत्वपूर्ण आयोजन सं साहित्य प्रेमी लोकनि उत्साहित देखल गेलाह.
Previous Post Next Post