मिथिला क्लब : मैथिलीक अप्पन ओटीटी केर शुभारम्भ


जानकी नवमीक अवसर पर दिनांक 17 मइ 2024 कें सायं 7 बजे  मैथिलीक ओटीटी 'मिथिला क्लब' क लोकार्पण कएल गेल. ओरिवोर्क्स प्राइवेट लिमिटेड द्वारा संचालित मिथिला क्लब नामक ओटीटी गुरुग्राम स्थित कार्यालय सँ जानकी नवमीक शुभ अवसर पर लोकार्पित कएल गेल.
 
ज्ञात हो जे उक्त कम्पनी द्वारा देश-विदेश मे किछु महत्वपूर्ण सॉफ्टवेयर डेभलपमेन्ट एवं प्रबन्धनक काज कएल जाइत अछि आओर अन्यान्य भाषा मे अनेक ओटीटीक संचालन कएल जाइत अछि. मिथिला क्षेत्रक किछु उत्साही युवक एहि कम्पनीक संग अपन मातृभाषा लेल ओटीटी निर्माणक मनसा रखलथि. 

एकर आवश्यकता कें ध्यान मे रखैत ‘‘मिथिला क्लब’’ नामक ओटीटी विकसित कएल गेल. ई एकटा एहन प्लेटफॉर्म रहत जतए साहित्य, संस्कृति, सिनेमा, धारावाहिक, नाटक, साक्षात्कार, गीत-संगीत, बाल मनोरंजन आदि सँ सम्बंधित भरपूर कॉन्टेन्ट उपलब्ध होएत.

एहि अवसर पर बाल साहित्य अकादेमी पुरस्कार सँ सम्मानित साहित्यकार बैद्यनाथ झा, रमेश चन्द्र झा (अवर सचिव, भारत सरकार), गिरीश कुमार (सीईओ, ओरिवोर्क्स प्राइवेट लिमिटेड), संतोषी कुमार, मनीष झा ‘बौआभाइ’, रंजीत कुमार, डॉ प्रकाश झा सहित साहित्य एवं संस्कृति तथा तकनीकी प्रबन्धन क्षेत्रक गणमान्य व्यक्ति उपस्थित छलाह. 

बता दी जे गूगल प्ले स्टोर सँ डाउनलोड क’ कोनो व्यक्ति एकर प्रयोग क’ सकैत छथि अथवा यूआरएल कोडक माध्यम सँ सेहो लिंक धरि पहुँचल जा सकैत अछि. संगहि कन्टेन्ट प्रोड्यूसर सँ नव कन्टेन्ट बनेबाक आग्रह कएल गेल अछि. एहि सँ मैथिली सांस्कृतिक क्षेत्र मे लोकक मनोरंजनक संग रोजगारक अवसर सेहो बनत.

मिथिमीडिया दिस सँ एहि उपक्रम हेतु सम्पूर्ण टीम कें हार्दिक बधाइ. बेसी सं बेसी संख्या मे एहि ओटीटी पर कांटेन्ट देखू आ अपन सलाह-सुझाओ पठाउ.
Previous Post Next Post