अकासतर बैसकी केर नव संयोजक 'गुमनाम फरिश्ता'


नन्दन प्रांगण मे अकासतर बैसकी केर दशम वार्षिक पर्व आयोजित भेल. श्री उदय शंकर मिश्र जी (दरभंगा) केर अध्यक्षता मे आयोजित बैसकी मे डेढ दर्जन सं बेसी साहित्य सिनेही लोकनि उपस्थित भ' कविता पाठ केलनि. सालक पहिल गोष्ठी मे संयोजक डा. संतोष कुमार झा एहि साल हेतु संयोजनक भार सर्वसम्मति सं श्री पवन कुमार झा (गुमनाम फरिश्ता) कें देलनि अछि. नव संयोजक कें हार्दिक बधाइ!
Previous Post Next Post