साहित्यिक मिथिलेश कुमार झा कें 'बाबूसाहेब चौधरी सम्मान'


प्रत्येक वर्ष जकाँ एहू बेर मिथिला सेवा ट्रस्ट, अश्विनीनगर, बागुइआटी,  कोलकाता द्वारा 18 आ 19 जनवरी 2025 केँ द्वि-दिवसीय कार्यक्रमक आयोजन स्थानीय बंधुमहल क्लबक प्रांगणमे कएल गेल. कार्यक्रमक पहिल दिन हनुमान चालीसाक सामूहिक पाठ एवं अष्टयाम संकीर्तन भेल. दोसर दिन मिथिला विभूति पर्व समारोह आयोजित भेल.

कार्यक्रमक आरंभमे अतिथि लोकनि ओ संस्थाक पाँचटा सदस्य मिलि विद्यापतिक स्थापित प्रतिमा पर माल्यार्पण केलनि. भगवतीक गीत जय-जय भैरवि गओलनि सुश्री स्नेहा झा. स्वागत वक्तव्य श्री विजयकांत झा देलनि. संस्थापक अध्यक्ष श्री रमाकान्त झा अपन उद्गार व्यक्त करैत संस्थाक काजक चर्चा केलनि। एहि अवसर पर संस्था द्वारा घोषित सम्मान प्रदान कएल गेल.

एहि बर्ख श्री मिथिलेश कुमार झा (साहित्यकार) केँ बाबूसाहेब चौधरी सम्मान, डाक्टर रामसेवक ठाकुर (कवि ओ रंगकर्मी) केँ जानकी संतति सम्मान, श्री शिवचरण शुक्ल (समाजसेवी) केँ मिथिला संकीर्तन मंडली सम्मान, श्रीमती पियाली सरकार (पार्षद) केँ मिथि-बंग गौरव सम्मान सँ सम्मानित कएल गेलनि. सम्मानित अतिथि लोकनि अपन-अपन उद्गार व्यक्त केलनि.


प्रधान वक्ता डाक्टर अनमोल झा संस्थाक सामाजिक गतिविधि संगहि मैथिली भाषा ओ साहित्यक हेतु कोलकाताक महत्वक उल्लेख केलनि. एहि अवसर पर श्री राधेश्याम झा द्वारा लिखल नाटक "हमर दुखक नहि ओर" केर लोकार्पण भेल.

कार्यक्रमक दोसर सत्रमे गीतनादक कर्णप्रिय आयोजन भेल. आयोजन स्थल पर गज्जल दर्शक-श्रोताकेँ अपन सुमधुर गायनसँ तृप्त केलनि श्री कुंजबिहारी मिश्र, सुश्री रचना झा, श्री माधव राय आ श्री हेमकान्त झा प्यासा. मंच उद्घोषक रहथि श्री रामसेवक ठाकुर.
Previous Post Next Post