आबि रहल अछि 'प्रेम प्रतिज्ञा'

कलकत्ता/ दड़िभंगा. विगत किछु समयसं मैथिली सिनेमाक विकासक लेल किछु सजग नवतुरिया आगू आबि रहल छथि. हुनका लोकनिमे अपन भाषा, संस्कृति, कला आदिक प्रति अशेष सम्मान आ असीम प्रेम बुझना जाइछ. आइ प्रत्येक क्षेत्रमे मैथिल युवा वर्ग किछु ने किछु क’ रहल छथि. अपन मातॄभाषा आ मातृभूमिक लेल. एहने किछु मैथिल युवजन एकटा मैथिली फ़िल्म ल’ क’ आबि रहल छथि जकर नाम अछि 'प्रेम प्रतिज्ञा'. 
अपन मिथिला फ़िल्म प्रोडक्शनक बैनरक नीचां बनल 'प्रेम प्रतिज्ञा' मिथिलावासी कें अपन घर-आंगन, संस्कृति  आ दर्शकक मांग कें धियानमे रखैत विशेष चहटगर गीत, मधुर संगीत, हंसी-मजाक, एक्शनसं भरपूर फ़िल्म अछि. निर्माता छथि- ओम शंकर राज आ दीपक चौधरी. युवा निर्देशक चंदन मिश्र द्वारा निर्देशित एहि फ़िल्मक कथा-पटकथा आ गीत लिखने छथि दीपक दीवाना आ अनर्जित शर्मा. सुन्नर संगीत देने छथि शिव मनमोही. फ़िल्मक गीत कें अपन मधुर स्वर देने छथि विकास झा, देवानन्द झा, साक्षी, राधा पाण्डेय, आ रंजना झा. लगभग एक सय सं बेसी एलबम कए चुकल लहेरियासरायक हरिपट्टीक निवासी दीपक दीवाना मुख्य नायक आ पूजा कौशिक मुख्य नायिका छथि. नवोदित कलाकार मे ओमशंकर राज आ पलक. सह कलाकार छथि गुज्जर रंगीला, ज्ञानी रावत, हीरा देवी, चंदन राय, संजय भंडारी, आ कोमल मिश्रा. फ़िल्मक कथा ओहन व्यक्ति कें सजग क’ रहल अछि जे बेटाक मोह मे आबि बेटा-बेटीमे अन्तर क’ बेटी पर घोर अत्याचार, बालिका पर उत्पीड़न करैत अछि. फ़िल्मक शूटिंग मिथिलाक प्रमुख स्थल पर भेल अछि जाहिमे दरभंगा, मधुबनी सहित मुजफ़्फ़रपुर, वैशाली, राजगीर आदि महत्वपूर्ण स्थानक नाम अछि. फ़िल्मक विषय-वस्तु, गीत संगीत, प्रभावी अभिनय आदि देखैत ई फ़िल्म निश्चित रुपेण मिथिलाक दर्शकक बीच अपन लोकप्रियता हासिल करत. (Report/Photo : भास्कर झा) 
Previous Post Next Post