मैथिली भाषाक प्रति निष्ठाक शपथ

कलकत्ता. मिथिला विकास परिषद विगत रविदिन भाषा अधिकार दिवस केर अवसर पर तारासुंदरी पार्क मे यायावर कवि बैद्यनाथ मिश्र 'यात्री' मूर्ति समक्ष मैथिली भाषा अधिकार दिवस मनओलक. कार्यक्रमक अध्यक्षता अशोक झा व संचालन अंजय चौधरी कयलनि. नागार्जुन प्रतिमा पर माल्यार्पणक बाद विनय कुमार प्रतिहस्त, विजय इस्सर विद्यापति द्वारा रचित भगवती वंदना जय-जय भैरवि प्रस्तुत कयलनि. अनेक महिला व पुरुष हाथ मे जड़ैत  मशाल ल' मैथिली भाषाक प्रति निष्ठा आ सर्मपण केर शपथ लेलनि. गोपीकांत झा 'मुन्ना', पवन ठाकुर, अशोक कुमार झा 'भोली', अंजना इस्सर मैथिली भाषाक स्वाभिमान कें केंद्रित क' गीतक प्रस्तुति देलनि. सांसद सुदीप बंद्योपाध्याय, कामदेव झा, रूपा चौधरी, शैल झा मशाल जुलूस कें रवाना देलनि. गिरीश पार्क स्थित कविपति विद्यापति केर मूर्ति लग आयोजित समापन कार्यक्रम कें विभित्र वक्ता लोकनि सम्बोधित कयलनि. नारायण ठाकुर, राघवेंद्र झा, पं. नंदकुमार झा, अमोद कुमार झा, पं. विनोद झा, रीणा ठाकुर, अरुण झा, गौरीशंकर मिश्र, पालन ठाकुर, विष्णुदेव मिश्र, लखनपति झा, रघुनाथ चौधरी, रामसागर साव, वेदानंद झा, विमल झा, कामेश्‍वर झा 'कमल', मो. सफिकुल्ला, चंद्रदीप झा, इंद्रकांत ठाकुर, जीवनाथ प्रसाद, अशोक कुमार पाठक, मो. नियाज, हरिवंश झा, कृष्णचंद्र झा 'रसिक', बिल्टू कुमार राय, वीणा ठाकुर, सुनयना झा, मनोरमा झा, आशा झा, किरण प्रतिहस्त, रमेश झा, ममता झा, सुधा चौधरी, विजय इस्सर, किरण इस्सर, दुर्गा देवी झा, विनोद झा, शेखर वर्मा, मदन झा व अन्य उपस्थित छलाह. (Report:  मिथिमीडिया ब्यूरो)  
Previous Post Next Post