भागलपुर. भारतीय भाषा संस्थान, मैसूरक राष्ट्रीय अनुवाद मिशन एवं तिलका मांझी भागलपुर विश्वविद्यालयक मैथिली विभाग दिस सं इतिहास ओ दर्शनशास्त्रक अनुवाद कार्यशाला 1 अक्टूबर सं 7 अक्टूबर धरि आयोजित भेल. एकर उद्घाटन माननीय कुलपति प्रो. नीलाम्बुज किशोर वर्मा, प्रतिकुलपति डॉ. निरंजन कुमार सिन्हा, कुलसचिव, वित्त पदाधिकारी ओ विभागाध्यक्ष प्रो. केष्कर ठाकुर कयलनि.
कार्यशाला मे डॉ. कृष्णा कुमार मंडल, डॉ. यशराज सिंह, डॉ. अमरनाथ झा, डॉ. अनिल कुमार झा, डॉ. अरविन्द कुमार सिंह, डॉ. नीलम कुमारी, डॉ. शम्भुनाथ दत्त झा, डॉ. प्रमोद कुमार पाण्डेय विभिन्न विषय हेतु सहयोग कयलनि. भारतीय भाषा संस्थान, मैसूर केर डॉ. शम्भू कुमार सिंह बतौलनि जे विभिन्न वैज्ञानिक आ प्रचलित शब्द सभक मैथिली अनुवाद भ' गेने विज्ञान, इतिहास आदि विषयक मैथिली भाषा मे छात्र आसानी सं उत्तर द' सकत. एहि सं बांग्ला, मराठी आदि भाषा जकां मैथिली भाषी छात्र कें अपन भाखा मे उत्तर देब सहज भ' जायत. ज्ञात हो जे मैथिली हेतु एहि तरहक कार्याशाल आयोजित होइत रहैत अछि आ ई मैथिली मे विभिन्न विषय केर शोध ओ अध्ययन कयनिहार छात्र लोकनिक हेतु वरदान सं कम नहि अछि.
(Report : निक्की प्रियदर्शिनी)
Tags:
हालचाल