स्मृति संध्या पर परिचर्चा ओ पोथी विमोचन

विद्यापति स्मृति संध्या पर उपस्थित बुद्धिजीवी लोकनि 
कलकत्ता. कविपति विद्यापतिक अवसान दिवस कार्तिक धवल त्रयोदशी मिथिला सहित देश-विदेश मे पसरल मैथिल द्वारा पर्वक रूपें मनाओल जाइत अछि. शुक्रदिन 15 नवम्बर कें अनेकठाम विभिन्न आयोजन भेल आ कविपति, भाखा ओ भू उद्धारक विषय पर चर्चा-परिचर्चा भेल. विगत कतेको बरख सं मैथिलक कावा कलकत्ता मे मिथिला सांस्कृतिक परिषद् द्वारा एहि अवसर पर विद्यापति स्मृति संध्या आयोजित होइत अछि. एहू बेर कार्तिक धवल त्रयोदशी कें स्थानीय विद्यापति विद्यामंदिर मे सांझ 5.30 बजे सं कार्यक्रम आयोजित भेल.
विद्यालय मे अवस्थित विद्यापति केर प्रतिमा पर माल्यार्पण ओ पुष्पांजलि सं कार्यक्रम शुरू भेल.  एहि कार्यक्रम केर अध्यक्षता वरिष्ठ साहित्यकार रामलोचन ठाकुर कयलनि त' संचालन युवा साहित्यकार मिथिलेश कुमार झा. महानगरक बुद्धिजीवी लोकनि एहि कार्यक्रम मे उपस्थित भ' विद्यापति कें श्रद्धांजलि देलनि आ भाखा-संस्कृति केर प्रसार ओ संरक्षण हेतु अपन विचार प्रकट कयलनि। वरिष्ठ साहित्यकार नवीन चौधरी, रामलोचन ठाकुर, बिनय भूषण, गंगा झा, चन्दन कुमार झा, अजय कुमार तिरहुतिया, देवीशंकर मिश्र, भास्कर झा, अनमोल झा, अमर भारती, रूपेश त्योंथ, प्रमोद कुमार झा, प्रो शंकर झा आदि लोकनि अपन वक्तव्य रखलनि.
एहि कार्यक्रम मे विद्यापति कें श्रद्धांजलि स्वरूप नवोनारायण मिश्र अपन एक गीत गओलनि जे एहि कार्यक्रम कें विशेष बना देलक. संगहि एहि अवसर पर मैथिलीक दू गोट काव्य पोथीक विमोचन रामलोचन ठाकुर द्वारा भेल. मिथिलेश कुमार झा केर बाल कविता संग्रह 'सोना आखर' ओ रूपेश त्योंथ केर काव्य संग्रह 'एक मिसिया' कें उपस्थित बुद्धिजीवी लोकनि असल श्रद्धांजलि बतओलनि. ज्ञात हो जे 'सोन आखर' मिथिलेश कुमार झा केर दोसर पोथी ओ 'एक मिसिया' रूपेश त्योंथ केर पहिल प्रकाशित पोथी अछि. (Report:  मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post