नाटक 'भामती'क मंचन होयत कोलकाता मे

कलकत्ता. रंगप्रेमी लोकनि हेतु एकटा नीक समाद. प्रख्यात साहित्यिक-सांस्कृतिक संगठन 'मिथियात्रीक झंकार' द्वारा स्थानीय कलाकुंज (कला मंदिर) मे नाट्यकार सुशील झा लिखित ऎतिहासिक मैथिली नाटक 'भामती'क प्रथम मंचन रविदिन, 19 जनवरी 2014 कें कएल जायत. विदित हो जे किछु स्थानीय बुद्धिजीवी एवं रंगप्रेमीक सत्प्रयासं दूटा पुरान नाट्य संस्था 'मिथियात्री' एवं 'झंकार'क एकीकरण कएल गेल अछि आ एकटा नव संस्था 'मिथियात्रीक झंकार' गठित क' कलकतिया रंगमंचमे नव-प्राण फुकबाक प्रयासक अंतर्गत अपन दोसर नबका नाट्य प्रस्तुति ल' आबि रहल अछि. एहि महान नाटकक सफ़ल निर्देशन करताह प्रख्यात अभिनेता आ निर्देशक शंभूनाथ मिश्र.महान विभूति पं. वाचस्पति मिश्रक महान तेजस्वनी एवं तपसी धर्मपत्नी भामतीक अभूतपूर्व त्याग एवं साधना पर आधारित संवेदनशील नाटक अछि ‘भामती'. कोलकाताक मैथिली रंगमंचक माजल कलाकार लोकनि एहि नाटकमे जीवंत अभिनय करताह, जाहिमे शंभूनाथ मिश्र, दिनेश मिश्र, संजय ठाकुर, श्रीमती शशिता राय, उत्तम चौधरी आदि कलाकार प्रमुख छथि. 
(Report: भास्कर झा )
Previous Post Next Post