
एहि अवसर पर कोलकाताक मैथिल साहित्यकार ओ बुद्धिजीवी लोकनि जुटताह. संगहि मासक दोसर रवि कें होमयवला साहित्यिक गोष्ठी संपर्क सेहो काल्हिये होयत. आगां दुर्गा पूजा कें ल' एहन कयल गेल अछि. कार्यक्रमक रूपरेखा सं लगैत अछि जे मायानंद मिश्र ओ जीवकांत पर चर्चा-परिचर्चा संभव आ बहुत नव बात आ जनतब सोझां आयत. संपर्क ओहुना नवतुरिया साहित्यकारक उत्साह बढबैत अछि. काल्हि केर कार्यक्रम जनतब सं भरल होयत. (Report: मिथिमीडिया ब्यूरो)