मिथिमीडिया

दीयाबाती पर प्रधानमंत्री दिस सँ राष्ट्र केर नाम संदेश - मैथिली भाषा


प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी दीयाबाती केर शुभ अवसर पर देशवासी नामे पत्र लिखलनि। पीएम शुभकामना देइत पत्र मे राम मंदिर निर्माण पश्चात दोसर दीयाबाती केर चर्चा करैत नक्सलवाद केर समाप्तिक जिकर केलनि आ कहलनि जे देशक दूर-दराज स्थित कतेको क्षेत्र मे पहिल बेर दीयाबाती पाबनि मनाओल जा रहल अछि। 

प्रधानमंत्री अपन चिट्ठी मे जीएसटी दर मे गिरावट, आत्मनिर्भर भारत आ स्वदेशी कें बढ़ावा देबाक विषय मे सेहो उल्लेख केने छथि। पाठक कें बतबैत हर्ष बोध भ रहल अछि जे प्रधानमंत्री भारतक विभिन्न भाषा मे देल गेल अपन पत्र कें मैथिली भाषा मे सेहो प्रेषित केलनि अछि। मैथिली भाषा मे प्रधानमंत्री केर संदेश एतय पढ़ल जा सकैत अछि।

हमर प्रिय देशवासी लोकनि,  

उर्जा आ उमंग सँ भरल दीयाबातीक एहि पावन पर्व पर अपने सभकें हमर बहुत-बहुत शुभकामना। अयोध्या मे राम मंदिरक भव्य निर्माणक बाद ई दोसर दिवाली अछि। प्रभु श्रीराम हमरा मर्यादाक पालन करब सिखबैत छथि आ संगहि हमरा अन्याय सँ लड़बाक सीख सेहो देइत छथि। एकर जीवंत उदाहरण हमरा लोकनि किछु मास पूर्व ऑपरेशन सिंदूर मे देखलहुँ। ऑपरेशन सिंदूर मे भारत मर्यादाक पालन सेहो कएलक आ अन्यायक बदला सेहो लेलक।  

एहि बेरक दिवाली एहि लेल सेहो विशेष अछि किएक तऽ देशक कतेको जिला मे दूर-दूरक क्षेत्र मे पहिल बेर दिवालीक दीप जरत। ई ओ जिला थिक, जतऽ नक्सलवाद आ माओवादी आतंक कें जड़ि सँ मेटा देल गेल अछि। बीतल दिन मे हम देखलहुँ जे कोना अनेक व्यक्ति हिंसाक बाट छोड़ि कऽ विकासक मुख्य धारा मे सम्मिलित भेलाह आ ओ देशक संविधानक प्रति आस्था व्यक्त कएलनि। देशक, ई बड्ड पैघ उपलब्धि अछि।  

एहि ऐतिहासिक उपलब्धि कें बीतल किछु दिन पहिने देश मे नेक्स्ट जनरेशन रिफॉर्म केर सेहो शुरूआत भेल अछि। नवरात्रक पहिल दिन जीएसटीसक कम दर लागू भेल। जीएसटी बचत उत्सव मे देशवासी कें हजारो-करोड़ टाका बचि रहल छनि।  

कतेको संकट सँ गुजरि रहल विश्व मे, हमर भारत स्थिरता आ संवदेनशीलता दुनूक प्रतीक बनि कऽ उभरल अछि। आबएवला किछु समय मे हम दुनिया केर तेसर सभ सँ पैघ अर्थव्यवस्था सेहो बनएवला छी।  

विकसित आ आत्मनिर्भर भारतक एहि यात्रा मे एक नागरिकक रूप मे हमर दायित्व अछि हम देशक प्रति अपन कर्तव्यक निर्वहन करी।
 
हम स्वदेशी अपनाबी आ गर्व सँ कही-ई स्वदेशी थिक। हम एक भारत श्रेष्ठ भारतक भावना कें बढ़ाबी। हम हर भाषाक सम्मान करी। हम स्वच्छताक पालन करी। हम अपन स्वास्थ्य कें प्राथमिकता दी। भोजन मे तेलक मात्रा दस प्रतिशत कम करी आ योग कें अपनाबी। ई सभ प्रयास हमरा लोकनि कें आओर गति सँ विकसित भारत दिस लऽ जाएत।
  
दिवाली हमरा इहो सिखबैत अछि जे जखन एक दीप दोसर दीप कें जरबैत अछि, तऽ ओकर प्रकाश कम नहि होइछ अपितु आओर बढैत अछि। एहि भावना सँ, हमरा लोकनि कें सेहो एहि दिवाली पर अपन समाज मे, अपन लऽगपास स‌द्भाव, सहयोग आ सकारात्मकताक दीप जरेबाक अछि। एक बेर पुनः अपने सबकें दीपपर्वक बहुत-बहुत शुभकामना।

अपनेक
नरेन्द्र मोदी 
Previous Post Next Post