पोथी विमोचन कार्यक्रम कें ल' भेल बैसक

कलकत्ता. मिथिला विकास परिषद् केर केन्द्रीय कार्यालय मे आगामी रवि कें होमयवला पोथी विमोचन कार्यक्रम कें ल' काल्हि २ अक्टूबर कें सांझ ५ बजे सं बैसक भेल. बैसक मे परिषद् केर कोर कमेटी सदस्य लोकनिक संगहि अन्यान्य बुद्धिजीवी लोकनि उपस्थित छलाह. एहि अवसर पर महात्मा गाँधी, लालबहादुर शास्त्री ओ मधुपजी कें सेहो मोन पाड़ल गेल. 
ज्ञात हो जे मिथिला विकास परिषद् द्वारा दू गोट पोथी आगामी रविदिन 6 अक्टूबर कें महानगरक महाजाति सदन केर संयुक्त भवन प्रेक्षागृह मे विमोचित कयल जायत. मैथिली कविता विषयक दुनू पोथीक विमोचन महानगरक महाजाति सदन केर संयुक्त भवन प्रेक्षागृह मे सांझ ५.३० बजे  सं कयल जायत.  मैथिली कविता पर आधारित दू गोट पोथी आधुनिक मैथिली कविता : दशा ओ दृष्टि तथा कोलकाता : मैथिली कविता केर विमोचन मैथिलनेही सांसद सुदीप बंद्योपाध्याय करताह. 
तीन सत्र मे आयोजित कार्यक्रम केर पहिल सत्र मे पोथी विमोचन, दोसर सत्र मे कवि सम्मलेन ओ तेसर सत्र मे लोकगीत केर कार्यक्रम होयत. समस्त कार्यक्रम मायानंद ओ जीवकांत मंच द्वारा होयत जकर संचालन अंजय चौधरी करताह.  
(Report:  मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post