मिस सेनोरिटा : प्रियदर्शिनी झा मिस ब्यूटीफुल हेयर

कलकत्ता. महानगर केर एक होटल मे लायंस क्लब इंटरनेशनलक अंतर्गत लायंस रिजेंसी दिस सं विगत बुधदिन आयोजित मिस सेनोरिटा २०१३ केर ताज तनवीर कौर जीतलीह जे १९ प्रतियोगी कें पाछां क' खिताब अपन नाम कयलीह. फर्स्ट रनर अप पूजा पाल आ सेकेण्ड रनर अप वैशाली चौधरी रहलीह. धियान देबय योग्य बात अछि जे एक मैथिल ललना प्रियदर्शिनी झा सेहो एहि प्रतियोगिता मे शामिल छलीह जे मिस ब्यूटीफुल हेयर केर खिताब अपना नाम करय मे सफल रहलीह. ज्ञात हो जे प्रियदर्शिनी पत्रकार छथि आ मूल रूप सं मधुबनी जिला सं सम्बन्ध रखैत छथि.
स्मरण करा दी जे मिस यूनिवर्स प्रतिस्पर्धा 2012 मे मैथिल ललना शिल्पा सिंह प्रतिस्पर्धा केर अंतिम 16 प्रतिभागी मे स्थान बनयबा मे सफल रहल छलीह. शिल्पा मिथिलाक समस्तीपुर जिलाक डीहा गामक छथि. सौंदर्य प्रतियोगिता सहित अन्यान्य विविध क्रियाकलाप मे मिथिलाक सहभागिता बढल अछि. संगहि मिथिला हेतु ई नव जुग आ आधुनिक परिवेश मे अपना कें मिला जमानाक संग डेग मिला चलबाक तैयारीक नीक संकेत अछि.
(Report:  मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post