मोदी बजलाह मैथिली, मैथिल मुदित

पटना. ऐतिहासिक गांधी मैदान मे २७ अक्टूबर २०१३ कें भाजपा केर हुंकार रैली मे मैथिली बजलाह त' मैदान मे उपस्थित मिथिलाक लोक सहित टीवी पर भाषण देखि-सुनि रहल मैथिल लोकनि कें अजगुते लगलनि. नरेन्द्र मोदीक मुंह सं मैथिली सुनि भाखा प्रेमी लोकनि बेस मुदित भेलाह. एकर संगहि मोदी लोकक ह्रदय धरि उतरबा मे सफल रहलाह. ओ प्रदेश केर नेता लोकनि कें सेहो पाठ पढ़ा गेलाह. एतय मिथिला क्षेत्र कें नेता लोकनि सेहो मिथिला मे जनसभा कें मैथिली मे सम्बोधित नहि करैत छथि. मिथिलाक समस्या आ तकर निदान कें ल' मोदी अपन वक्तव्य प्रस्तुत कयलनि.  एतबे नहि ओ प्रदेश केर आओरो स्थानीय भाखा मे अपन बात रखलनि.
सीरियल विस्फोट, अहिंसा पर चोट
रेलवे स्टेशन सहित पटना गांधी मैदान मे भेल सीरियल ब्लास्ट मे ६ गोटे मारल गेलाह आ कतेको घायल भेलाह. एहू मे दू गोटे मिथिला क्षेत्र केर छथि. देश केर सुरक्षा व्यवस्था पर सेन्ह लागब आ ताहि मे दड़िभंगा-मधुबनी केर आतंकी कनेक्शन सोझाँ आयब चकित करैछ. एहि सं नीतीश सरकार केर सुशासन पर बट्टा लगैत देखल जाइत अछि. मिथिला आतंक केर उलहन सुनिते रहैत अछि मुदा मगध मे शोणित बहब चिंतनीय.
(Report:  मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post