Showing posts from 2021

पोथी समीक्षा : अपना समय केर एकटा महत्वपूर्ण काव्य-संग्रह 'जाबत धरि सपना अछि शेष'

मैथिलीक चिंतनशील ओ गंभीर रचनाकार मिथिलेश कुमार झा केर तेसर पोथी कविता संग्रह 'जाबत धरि सपना अछि शेष' प्राप्त भेल अछि. पोथीक भूमिका मे मिथिलेशजी फइल सं कविता आ अपन साहित्यिक यात्रा पर बात केलनि अछि. पिता स्व. विश्वनाथ झा कें समर्पित एहि संग्रहक…

मैथिली कें विश्व स्तर पर ठाढ़ करबाक प्रयोजन: अर्धनारीश्वर

मैथिली साहित्यिक स्वनामधन्य हस्ताक्षर गिरिजानन्द झा ‘अर्धनारीश्वर’ संग भेंटवार्ता एतय प्रस्तुत अछि. साहित्यिक विजय इस्सर हुनक गाम बाथ (मधेपुर, मधुबनी) मे हुनका सं भेंट क’ भाषा-साहित्य पर विस्तार सं बातचीत केलनि अछि. - - - - - - - - - प्रणाम! अपने मै…

KLF मैथिली लिटरेरी फेस्टिवल मे भाषा-साहित्य पर परिचर्चा

कलिंग लिटरेरी फेस्टिवल (Kalinga Literary Festival) द्वारा दू दिवसीय  ऑनलाइन मैथिली लिटरेरी फेस्टिवल (Maithili Literary Festival) केर आयोजन कएल गेल. एहि आयोजन मे देश-विदेश केर मैथिली साहित्यकार लोकनि भाग लेलनि. कार्यक्रमक पहिल दिन केंद्रीय भारतीय भाषा …

माता सीता केर 108 नाम - Mata Sita Ker 108 Naam

मिथिला केर धिया  सिया   जनक दुलारी छथि. भूमिजा सीता कें लक्ष्मी केर अवतार मानल जाइत अछि.  मिथिलाक बेटी सीता कें 'मैथिली' सेहो कहल गेल अछि.  हिनक नामक स्मरण सं पाप-दोष कटित होइत अछि संगहि भगवती लक्ष्मी केर कृपा प्राप्त होइत अछि. एतय माता सीता क…

दूर्वाक्षत मंत्र, तकर अर्थ आ पढ़बाक विधि - Durwakshat Mantra

मिथिला मे दूर्वाक्षत मंत्र   (Durva Akshat Mantra) केर बड़ उपयोगिता अछि. विवाह-उपनयन आदि शुभ काज मे त' बेर-बेर दूभि-अक्षत सं आशीष देबाक विधान अछि. जिनका दूर्वाक्षत मंत्र अबैत छनि, इयाद छनि, एहन लोक समाज मे कम भेल जा रहल छथि. तखन आब इन्टरनेट पर उपल…

राजनन्दन लाल दास: मैथिली पत्रकारिता केर अडिग स्तम्भ

मैथिलीक अनन्य सेवक, कर्णामृत पत्रिकाक सम्पादक राजनन्दन लाल दास (Rajnandan Lal Das) केर देहावसान सं एकटा पैघ क्षति भेल अछि. लगभग 40 वर्ष धरि पत्रिका केर सम्पादन-संचालन क' एकटा कीर्तिमान स्थापित केलनि. दरभंगाक घनश्यामपुर-गोनौन मे हिनक पैतृक छलनि आ …

साहित्य अकादेमी द्वारा आयोजित भेल ‘युवा साहिती’ कार्यक्रम

साहित्य अकादेमी (Sahitya Akademi) नव दिल्ली दिस सं वेबलाइन साहित्य शृंखला केर अंतर्गत ‘युवा साहिती’ कार्यक्रम केर आयोजन शुक्रदिन 9 जुलाइ 2021 कें कएल गेल. अकादेमी केर उपसचिव डॉ. एन सुरेश बाबू एहि ऑनलाइन कार्यक्रम केर संचालन केलनि. साहिती मे मैथिली भाष…

बीति रहल जिनगी घामक टघार सन: बिनय भूषण

अदंक हिया मे, जिनगी पहाड़ सन काया मे कम्पन, पुस मास-ठाड़ सन सुरूज छथि रूसल, भागल क्षितिज दिस जिनगीक दिवस आइ, लागय अन्हार सन समयक वक्ष पर, धमकल अछि जेठ मास बीति रहल जिनगी, घामक टघार सन उपासक आसन सँ, काया अछि लकलक खून बिनु काया, ठठरीक हाड़ सन खापड़ि मे …

मिथिला केर 12 प्राचीन आ प्रचलित नाम

मिथिला केर विषय मे वृहद विष्णु पुराण केर मिथिला-माहात्म्य खंड मे कहल गेल अछि जे गंगा सं हिमालय मध्य 15 नदी युक्त परम पवित्र तीरभुक्ति (तिरहुत) स्थित अछि. तीरभुक्ति मिथिला सीता केर धरती निमिकानन अछि, ज्ञान केर क्षेत्र आ कृपापीठ अछि. मिथिला निष्पापा आ न…

आउ जनैत छी 'मिथिला केर चौहद्दी'

Mithila Map - Mithila Ke Chauhaddi : प्राचीन सन्दर्भ कें देखल जाए त' दक्षिण गंगा, उत्तर हिमवन (16 योजन) आ पूब कोसी, पश्चिम गंडकी (24 योजन) मे पसरल भूखण्ड केर सबसं प्राचीन-प्रचलित नाम मिथिला अछि. वृहद विष्णु पुराण मे मिथिलाक विस्तार सम्बन्ध मे स्प…

मुजफ्फरपुर मे लीची किसान कें देल जाएत ‘बाग प्रबंधन’ ट्रेनिंग

राष्ट्रीय लीची अनुसंधान केंद्र, मुजफ्फरपुर (एनआरसीएल) द्वारा लीची उत्पादक किसान लोकनि कें बाग प्रबंधन केर ट्रेनिंग देल जएबा पर विचार भेल अछि. एहि खेपक लीची केर फसल खत्म भेलाक बाद प्रशिक्षण सत्र शुरू कएल जाएत. जाहि मे विज्ञानी मृदा सं ल’ गाछक सुरक्षा च…

रामलोचन ठाकुर केर कविता 'गामक खोज'

हमरो एकटा गाम छल देशक बहुतो गाम सन एकटा शिव मन्दिर एकटा डीहबारक थान एकटा सलहेलक गहबर  एकटा मसजिद... कतेको टोल कतेको जाति-धर्मक संयोग सँ बनल हमर गाम हमरा सभक गाम छल हमरा गाम मे कोनो वीर दम्पतिक  शास्त्रालाप नहि भेल छल नहि भेल छलाह अवतरित कोनो महापुरूष …

सिमरिया स्नान घाट पर अव्यवस्था सं लोक परेशान

सिमरिया गंगा नदी केर मुख्य स्नान घाट बेस अव्यवस्थित भ’ गेल अछि. एक तरह सं घाट कें खतरनाक बताओल जा रहल अछि. एहि सं गंगा स्नान लेल जे श्रद्धालु अबै छथि, हुनका बहुत बेसी परेशानी भ’ रहल छनि. गंगा नदी तट पर कटाओ भेला सं डीएम केर निर्देश पर बाढि नियंत्रण वि…

संस्कृत विश्वविद्यालय केर स्वरूप मे दड़िभंगा जंक्शन

दड़िभंगा जंक्शन कें ऐतिहासिक कामेश्वर सिंह विश्वविद्यालय भवन केर स्वरूप मे तैयार कएल गेल अछि. जंक्शन भवन केर बाहरी स्वरूप बेस देखनगर लगैत अछि. साल 2019 मे तत्कालीन डीआरएम आरके जैन एकर स्वरूप कें ल' काज करबाक योजना बनओने छलाह. 44.50 लाख टाका सं एहि …

मिथिलाक संस्कृति मे बाड़ी

बाड़ी भेल घरक पाछाँ विभिन्न प्रयोजने राखल गेल जगह. ई आँगन सँ अ’ढ़ रहैछ आ मुख्यतः स्त्रीगण हेतु प्रयोजनीय होइछ. एकर रकबा उपलब्ध घड़ारीक हिसाबें कम वा अधिक भऽ सकैत अछि. साबिक काल सँ स्त्रीगण हेतु स्नानक व्यवस्था बाड़ी मे रहैत आएल अछि. एहि हेतु कोनो उचित जगह…

साहित्य अकादेमी द्वारा 'मीडिया आ साहित्य' विषय पर ऑनलाइन परिसंवाद

साहित्य अकादेमी द्वारा ‘मीडिया आ साहित्य' विषय पर ऑनलाइन परिसंवाद केर आयोजन मंगलदिन 12 मइ 2021 कें भेल. दू सत्र मे आयोजित परिसंवाद केर पहिल सत्रक अध्यक्षता प्रसिद्ध साहित्यकार ओ सम्पादक उदय चंद्र झा ‘विनोद’ आ दोसर सत्रक अध्यक्षता प्रसिद्ध कथाकार ए…

विजय इस्सर केर मैथिली कविता 'नाद ब्रह्म'

एहि ब्रह्मांड मे गुंजित सदिखन नाद ब्रह्म आहत अनाहत जाहि मे मगन झूमैछ पवन गाबैछ गाछ नाचैछ पात झरझराइत अछि झरना समुद्रक हिलकोरैत ज्वार सब देखैत गौरवे बिहुंसैत करेज उतान केने ठाढ पहाड़ कखनहुं रंग बिरंगक फूल पर लोभाइत घुरिआइत भ्रमर पीबि परागक रस, मदमातल ग…

कलकत्ता सं काशी पहुंचैत अछि ‘नौकाडूबि’

बांग्ला फिल्म जे साहित्य, कला, संस्कृति, इतिहास कें देखबैत अछि से अपन विशेष लय सं शुरू होइछ. यएह लय दर्शक कें जेना दोसर दुनिया मे ल’ जा क’ कैद क’ लेइत अछि. एहने एक फिल्म अछि ‘ नौकाडूबि ’. ई सिनेमा कलकत्ता सं शुरू होइछ आ काशी मे जा खतम होइत अछि. नवविवा…

महासंकटक एहि विकलांग दौर मे मोन पड़ैत छथि ‘अष्टावक्र’

छोट-छोट समस्या, बाधा, अवरोध आदि अबिते हम सब विचलित होमए लगैत छी. सामान्य मनुक्ख एहिना करैत अछि. एखन समूचा विश्व कोरोना महामारी सं त्रस्त अछि. ई संकट छोट नहि अछि, हम सब एहि सं जूझि रहल छी. घोर दुखक स्थिति मे लोक पहिने निराश आ फेर हताश भ’ जाइछ. आशा सं स…

मैथिली वेब पत्रकारिता: केहन चुनौती, कतेक संभावना

तकनीकक एहि युग मे नित नूतन खोज मानव समुदाय कें तीव्र परिवर्तन दिस लेने जा रहल अछि. सूचना क्रांति केर एतेक विकास हेतै से के' सोचने छल! प्रकृति मे अपना कें अनुकूलित रखबा मे मनुक्ख जतेक सक्षम अछि, ओहि सं बेसी चैलेंज ओ अपने अपना लेल तैयार करैत रहैत अछ…

Load More
That is All