सिमरिया स्नान घाट पर अव्यवस्था सं लोक परेशान


सिमरिया गंगा नदी केर मुख्य स्नान घाट बेस अव्यवस्थित भ’ गेल अछि. एक तरह सं घाट कें खतरनाक बताओल जा रहल अछि. एहि सं गंगा स्नान लेल जे श्रद्धालु अबै छथि, हुनका बहुत बेसी परेशानी भ’ रहल छनि. गंगा नदी तट पर कटाओ भेला सं डीएम केर निर्देश पर बाढि नियंत्रण विभाग कटाओ निरोधी कार्य केलक अछि. मुख्य स्नान घाट पर 222 मीटर लंबा कटाओ निरोधी कार्य साढ़े चारि करोड़ लागत सं कएल जा रहल अछि.
 
एहि काज लेल गैबियन मे जीओ एवं सीमेंट बैग मे माटि आ बालू भरि क’ राखल जा रहल अछि जाहि सं कटाओ कें रोकल जा सकए. घाट पर देखल जा सकैछ जे जीओ बैगक बोरी दू सं अढाइ फीट उंच क’ देल गेल अछि. एहना मे वृद्ध महिला, पुरुष एवं बच्चा सब कें स्नान करबा लेल आबए-जाए मे परेशानी भ’ रहल अछि. कार्यरत कंपनी केर इंचार्ज संजीत कुमार मीडिया कें बतओलनि जे हम सब कटाओ निरोधी कार्य मे लागल छी. लोकक सुविधा लेल एतय सीढ़ी नै बनाओल जा रहल छै. विभाग द्वारा जेहन निर्देश रहत तेहन काज कएल जाएत.

ओतहि एहि संबंध मे सदर एसडीओ संजीव कुमार चौधरी केर कहब छनि जे बाढि नियंत्रण विभाग केर अधिकारी कें कहल गेल अछि जे जीओ बैग कम उंच लगाओल जाए जाहि सं लोक सब कें स्नान लेल जाए-आबए मे कोनो दिक्कत नै हो. बाढि नियंत्रण विभाग केर एसडीओ पंकज कुमार जनतब देलनि जे विभाग द्वारा कटाओ निरोधी कार्य भ’ रहल अछि आ सिमरिया स्नान घाट पर आरसीसी सीढ़ी निर्माण कार्य सहित अन्य कार्य लेल स्टीमेट पटना कार्यालय पठाओल गेल अछि. जखने स्वीकृत होएत, ओहि दिशा मे काज कें आगू बढ़ाओल जाएत.

- - - - -
Simariya Dham - Mithila - Train Journey
ट्रेन यात्रा मे मिथिला सं बाहर अबैत कालक वीडियो अछि जे सिमरिया क्रॉस करबा कालक अछि. एहि वीडियोक माध्यम सं घर बैसल सिमरियाधाम कें निहारू, गंगाक दर्शक करू. बड़ सुख सार पाओल तुअ तीरे...
Previous Post Next Post