संस्कृत विश्वविद्यालय केर स्वरूप मे दड़िभंगा जंक्शन


दड़िभंगा जंक्शन कें ऐतिहासिक कामेश्वर सिंह विश्वविद्यालय भवन केर स्वरूप मे तैयार कएल गेल अछि. जंक्शन भवन केर बाहरी स्वरूप बेस देखनगर लगैत अछि. साल 2019 मे तत्कालीन डीआरएम आरके जैन एकर स्वरूप कें ल' काज करबाक योजना बनओने छलाह. 44.50 लाख टाका सं एहि जंक्शन केर जीर्णोद्धार काज शुरू भेल अछि. जंक्शन केर बाहरी लुक संस्कृत विश्वविद्यालय जकां आब देखा रहल अछि.

जंक्शन केर बाहरी वॉल पर ठीक संस्कृत विवि भवन मे कएल कलाकृति आ रंग-रोगन केर उपयोग कएल गेल अछि. रेलवे अधिकारी एहि काज कें पहिने भेल रहैत बतओलनि, लॉकडाउन चलते काज बाधित आ विलंबित भेल. आगामी किछु दिनक मध्य रंग-रोगन केर काज पूर्ण कएल जाएत. मिथिला क्षेत्र मे पर्यटन कें ई सब काज कएल जा रहल अछि. एही अंतर्गत साल 2018 मे जंक्शन केर सोझां 1913 इंग्लैंड-निर्मित भाप रेल इंजन जकरा पहिल लोकोमोटिव कहल जाइछ, स्थापित कएल गेल छल.

दड़िभंगा जंक्शन समस्तीपुर रेल मंडल अंतर्गत एकटा पुरान आ महत्वपूर्ण ठाम अछि. एतय सं देशक अधिकांश प्रमुख शहर लेल रेलसेवा संचालित होइछ. जहिना मिथिला पेंटिंग आ मैथिली भाषा मे घोषणा, बैनर-पोस्टर दड़िभंगा स्टेशन कें विशेष बनबैत अछि, तहिना मिथिला केर विरासति सं जुड़ल बाहरी स्वरूप केर सराहना भ' रहल छै. कने एकरत्ती स्टेशन परिसर स्थित शौचालय केर साफ-सफाइ पर सेहो रेलवे धियान देतै से अपेक्षा!

(मैथिली भाषा मे उपयोगी वीडियो देखबाक लेल मिथिमीडिया केर यूट्यूब चैनल सब्सक्राइब करू. अहां फेसबुकट्विटर आ इन्स्टाग्राम पर सेहो फॉलो क' सकै छी.)

Previous Post Next Post