KLF मैथिली लिटरेरी फेस्टिवल मे भाषा-साहित्य पर परिचर्चा


कलिंग लिटरेरी फेस्टिवल (Kalinga Literary Festival) द्वारा दू दिवसीय  ऑनलाइन मैथिली लिटरेरी फेस्टिवल (Maithili Literary Festival) केर आयोजन कएल गेल. एहि आयोजन मे देश-विदेश केर मैथिली साहित्यकार लोकनि भाग लेलनि.

कार्यक्रमक पहिल दिन केंद्रीय भारतीय भाषा संस्थान (Bharatiya bhasha sansthan) केर पूर्व निदेशक उदयनारायण सिंह ‘नचिकेता’ संगहि वरिष्ठ मैथिली साहित्यकार प्रदीप बिहारी, अरविंद ठाकुर, श्री रमेश, रमेश रंजन, महेंद्र नारायण राम आ मैथिली लेखक संघ केर महासचिव विनोद कुमार झा मैथिली साहित्य केर विभिन्न विषय पर चर्चा केलनि. आयोजनक संयोजक डॉ. कमल मोहन चुन्नू मैथिली साहित्य केर भविष्य पर प्रकाश देलनि. एहि सत्र केर संचालन अजीत आजाद केलनि.

(विस्तृत शीघ्र)

Previous Post Next Post