Showing posts from 2014

मैथिली सम्मेलनमे भेल चारि गोट नव प्रकाशन

जनकपुर : अन्तर्राष्टूीय मैथिली सम्मेलनमे चारि गोट पोथीक प्रकाशन-विमोचन भेल अछि. एहिमे स्मारिका सहित साक्षात्कार, कथा-संग्रह ओ रिपोर्ताज प्रकाशित भेल अछि. स्मारिका : तिरहुत  अन्तर्राष्टूीय मैथिली सम्मेलनक अवसर पर प्रकाशित स्मारिका ‘तिरहुत’…

सम्मलेनमे मैथिली भाखापर भेल विमर्श

जनकपुर : एगारहम अन्तर्राष्टूीय मैथिली सम्मेलन २०७१ अन्तर्गतक पहिल दिन पहिल सत्रमे मैथिली भाषाक  सहजीकरणक समस्या आ समाधान विषयक विचार गोष्ठी सम्पन्न भेल. ओहि सत्रमे भाषा विज्ञ डा. रामावतार यादव मैथिली भाषा अतिप्राचिन रहल कहैत एहिमे एकरूपता आनयप…

विद्यापति सेतु पर मिविप कएलक सभा

कलकत्ता: विद्यापति सेतु पर कविपति प्रतिमा समक्ष मिथिला विकास परिषद् द्वारा असम हिंसामे मारल गेल लोकक प्रति श्रद्धांजलि देल गेल. शुक्रदिन सांझ आयोजित एक कार्यक्रममे मोमबत्ती ज़रा संवेदना प्रकट कएल गेल. एहि कार्यक्रममे अध्यक्ष अशोक झा, रसिकजी, अरु…

मिथिलाक अनुपम डेग द्वारा शैलेन्द्रकें श्रद्धांजलि

राजविराज: मिथिलाक अनुपम डेग द्वारा बृहस्पतिदिन राजविराजमे मैथिली नाटककार, कलाकार तथा रंगकर्मी कुमार शैलेन्द्रक निधन पर शोक सभाक आयोजना कएल गेल. डेगक महासचिव निराजन झाक अध्यक्षतामे आयोजित शोक सभामे मैथिली साहित्य परिषद्क पूर्व अध्यक्ष विष्णुकुमा…

'नहि लागइ दुज्जन हासा' केर मंचन

नव दिल्ली : दिल्लीक प्रेक्षक पर अपन मजगूत पकड़ बनौने मैथिली रंगमंडलक चित-परिचित संस्था “मिथिलांगन” समय समय पर प्रयोगात्मक नाटकक तैयारीक संग उपस्थित दर्शककें आकर्षित करबामे प्रारम्भे स’ सफल रहल अछि. विगत २२ तारीख २०१४ क’ (सोमदिन) मंडी हाउस स्थित “…

साहित्य अकादेमी द्वारा मैथिली संगोष्ठी शनि-रविकें

कलकत्ता: साहित्य अकादेमी दू दिवसीय मैथिली संगोष्ठी केर आयोजन स्थानीय कार्यालय सभागारमे आयोजित केलक अछि. संगोष्ठी 4, डीएल खान रोड स्थित अकादेमी सभागारमे आगामी शनि-रविकें भोरे 10 बजे सं अछि. साहित्यकारत्रय जयनारायण मल्लिक, वैद्यनाथ मल्लिक विधु आ आनंद…

जानकी सेवा संघ मनाओत मैथिली दिवस

कलकत्ता : जानकी सेवा संघ, कोन्नगर आगामी रवि अर्थात 28 दिसंबरकें बेरूपहर ३ बजेसं मैथिली दिवस मनाओत. एहि अवसर पर सांस्कृतिक अनुष्ठान केर आयोजन सेहो अछि. मैथिलीकें संविधानक आठम अनुसूचिमे स्थान देल जयबाक उपलक्ष्यमे ई आयोजन भ' रहल अछि.  विद्यापत…

विद्यापतिक नाम 'बक्शीक' निवेदन

विद्यापति  घुरि  आउ  एक बेर, देखू  विस्फी  गाम यौ ! मैथिल, मिथिला बेचि रहल कवि कोकिल के नाम यौ ! उगना देलन्हि पिसी आहाँ के, गंगाजल मे भांग यौ ! आँहाँकगीत उगना केर महिमा बढ़ल भांग के मांग यौ ! आब शराव विदेशी आयल ताण्डव नृत्य तमाम यौ ! विद्यापति घ…

'इच्छाशक्तिक धनिक छलाह कुमार शैलेन्द्र'

कलकत्ता : मिथिला सेवा समिति द्वारा रविदिन 21 दिसंबरकें अधिकार दिवस समारोह केर आयोजन बेलूड़ स्थित विद्यापति भवनमे भेल. एहि कार्यक्रममे दिवंगत मैथिली लेखक ओ रंगकर्मी कुमार शैलेन्द्रकें श्रद्धांजलि अर्पित कएल गेल. कार्यक्रमक मुख्य अतिथि सुपौलसं आएल…

आशाकें अकादेमी आ निक्कीकें रित्विक-सोनम पुरस्कार

दड़िभंगा-नव दिल्ली : साहित्य अकादेमी द्वारा देल जायवला वार्षिक पुरस्कार 2014 साल लेल आशा मिश्रकें देल जयबाक घोषणा भेल अछि. आशाकें हुनक पोथी 'उचाट' लेल ई पुरस्कार देल जायत. उचाट मैथिली उपन्यास सहित आशा मिश्र सभसं पैघ विजय ओ थाहैत स्वप्न पोथी ल…

इम्फालमे ऑल इंडिया पोएट्री फेस्टिवल

नव दिल्ली : साहित्य अकादेमी द्वारा ऑल इंडिया पोएट्री फेस्टिवल आइसं इम्फालमे आयोजित अछि. 21-22 दिसंबरकें आयोजित एहि दू दिना महोत्सवमे मैथिली दिससं अरुणाभ सौरभ कविता प्रस्तुत करताह. जवाहर लाल नेहरू मणिपुर डांस एकेडमी सभागारमे आयोजित एहि काव्य उत्सवक …

27म अंतरराष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन आइसं

दड़िभंगा : अंतरराष्ट्रीय मैथिली परिषदक तत्वावधानमे 27म अंतरराष्ट्रीय मैथिली सम्मेलनक आयोजन आइसं सीएम साइंस कालेजक कामेश्वर भवनमे होयत. 21-22 दिसंबरकें आयोजित एहि कार्यक्रममे नेपालक पूर्व मंत्री रामचंद्र झा, लनामिविक कुलपति डा. साकेत कुशवाहा, डा. भुव…

मैथिली-मिथिला हेतु प्रधानमंत्रीकें ज्ञापन

राजविराज : मिथिला राज्य आ मैथिली भाषाकें सुनिश्चितताक मांग करैत मैथिली साहित्य परिषद् राजविराजद्वारा प्रमुख जिल्ला अधिकारी मार्फत प्रधानमन्त्रीसहित सम्बन्धित निकायकें बीतल  बृहस्पतिदिन ज्ञापनपत्र पठाओल गेल. परिषद्क अध्यक्ष शुभचन्द्र झाक नेतृत्…

काल्हि मैथिली अधिकार दिवसक आयोजन

हावड़ा: मैथिलीकें संविधानक अष्टम अनुसूचीमे शामिल होयबा पर देश भरिमे दिसंबर मासमे मैथिली अधिकार दिवसक पालन मैथिल सभ करैत छथि. एकरे धियानमे राखि मिथिला सेवा समिति, बेलूड़ विगत विगत वर्षसं मैथिली अधिकार दिवस मनबैत आबि रहल अछि. एहि क्रममे एहू बेर समिति रव…

मैलोरंगक कोर जुड़ाएल नाटक चान-चकोर

नवदिल्ली : दिल्ली आ लगीचक क्षेत्रक प्रेक्षक लोकनिकें समय समय पर नाटकक खोराक परसबा लए तत्पर मैथिली रंग मंचक नामी संस्था “मैलोरंग” द्वारा १५ दिसम्बर २०१४ (सोमदिन) मैथिली नाटक “चान-चकोर” केर सफलतापूर्वक मंचन कएल गेल. कार्यक्रमक पहिल सत्रमे मैल…

'मिथिला राज्य कोना?' विषयक परिचर्चा

कलकत्ता: उपनगरीय क्षेत्र कोन्नगर स्थित वैदेही मंदिर प्रांगणमे अखिल भारतीय मिथिला पार्टी द्वारा परिचर्चा रविदिन 14 दिसंबर कें बेरूपहर 3 बजे सं आयोजित भेल. परिचर्चाक विषय कनेक अलग सन छल. एक दिस जतय सगरो राज्य आन्दोलनकारी लोकनिसं मिथिला राज्यक औचित्…

तेसर दिन खूब जमल सलहेस गायन ओ कविगोष्ठी

पटना: मैथिली लिटरेचर फेस्टिवलक तेसर ओ अंतिम दिनक कार्यक्रम 'हम पोथी पढ़ब' सत्रसं शुरू भेल. एहिमे रमेश रंजन केर उपन्यास संगोर पर विमर्श भेल. उषा किरण खान, मोहन भारद्वाज, वीरेंद्र पाण्डेय विमर्श केलनि. सत्रक संचालन कथाकार अशोक केलनि. दोस…

पुरस्कार लेल पोथी लिखल जा रहल अछि : शरदिन्दू चौधरी

पटना : रचनाकार लोकनि पुरस्कार लेल पोथी लिखै छथि. लेखन संगे न्याय नहि होइए. पुरस्कार कें धियानमे राखि लेखन हेतैक त' कखनो उत्तम साहित्य नै लिखा सकैत छै. ई बात कहलनि शरदिन्दू चौधरी. मैथिली लिटरेचर फेस्टिवलक दोसर दिनक दोसर सत्र मे मैथिली पोथी : …

फेस्टिवलक पहिल दिन भेल कएक विषय पर विमर्श

पटना: तीन दिवसीय मैथिली लिटरेचर फेस्टिवल केर पहिल दिन पोथी, साहित्य ओ अनुवाद विषयक विमर्श भेल. मायानंद मिश्र, जीवकांत, महाप्रकाश ओ ज्योत्सना चन्द्रम कें मोन पाडैत शुरू भेल कार्यक्रमक पहिला सत्र केर संचालन अजित आजाद केलनि. एहि सत्र मे भीमनाथ झा,…

पटनामे तीन दिवसीय मैथिली लिटरेचर फेस्टिवल

पटना : तीन दिवसीय मैथिली लिटरेचर फेस्टिवल 12 दिसंबर सं आयोजित अछि. मैथिली लेखक संघ द्वारा यूथ होस्टल परिसर, फ्रेजर रोड मे फेस्टिवल केर आयोजन दिनक 10 बजेसं राति 8 बजे धरि होयत. आयोजनमे भारत-नेपाल केर साहित्यकार सहित रंगकर्मी, कार्यकर्ता लोकनि भा…

जानकी मंदिरकें उड़यबाक षड्यंत्र

जनकपुरधाम: जानकी मंदिर कें आतंकवादी सभ बम विस्फोट क' 13 दिसम्बर कें उड़यबाक साजिश रचने छल. एहिसं पहिनहि छओ दिसम्बर कें आतंकवादी प्रसिद्ध पशुपतिनाथ मंदिर कें उड़यबाक साजिश रचने छल मुदा नेपाली सुरक्षा एजेंसीकें एहि साजिशक पता चलल. एहि मामिला म…

मिथिलाक भाखा-संस्कृति अनुपम : राज्यपाल

कलकत्ता : मिथिला भारतीय संस्कृतिक अग्रदूत रहल अछि. एतय एकसं एक विद्वान तपस्वी सभ भेलाह अछि. प्राचीन कालहिसं ई धरती विश्वकें धर्म, संस्कृति आ लोकाचार केर पाठ पढ्बैत रहल अछि. एहि पावन धरतीक एक दिस हिमालय आ दोसर दिस गंगा अछि. एहिसं ज्ञात होइछ जे म…

मिथिलाक नेता सभक नाम 'बक्शी'क त्राहिमाम

सब जँ डफली अलग बजायब  एक दोसर केँ दोष लगायब  छिट-फुट नेता जितिओ जायब मिथिला राज्य किओ नहि पायब इतिहासो मे नाम घिनायब चन्दा-धन्धा अपन चलायब  नेता अपने माल कमायब  आ  विकास जपिते रहि जायब की  मिथिला कें नर्क बनायब? — उमा कान्त झा 'बक्शी&…

वेब पत्रकारिता ओ मैथिली : वर्तमान एवं भविष्य

मिथिमीडिया द्वारा आयोजित 'वेब पत्रकारिता ओ मैथिली' विषयक संगोष्ठीमे भास्करानंद झा 'भास्कर' द्वारा पढ़ल गेल आलेख— सूचना विज्ञान एवं प्रौद्योगिकीक आजुक युगमे दिनानुदिन बढैत संचार साधनक प्रभावे वेब पत्रकारिता बहुविषयक समाचार एवं सूच…

मिथिइवेंट: वेब पत्रकारिता ओ मैथिली विषयक संगोष्ठी

मिथिमीडिया द्वारा आयोजित संगोष्ठी सह कविगोष्ठी कार्यक्रम कइएक दृष्टिये महत्वपूर्ण रहल. रविदिन 23 नवंबर कें विद्यापति सदन, बागुइआटीमे कार्यक्रमक उदघाटन शिक्षाविद भोगेन्द्र झा कएलनि. मुख्य अतिथि रहथि मैथिली दैनिक मिथिला समाद केर संपादक तारा कान्त झा. भ…

बेलूड़मे रक्तदान शिविरक आयोजन

हावड़ा: बेलूड़ स्थित  मिथिला सेवा समिति चेरिटेबल ट्रस्ट द्वारा रक्तदान शिविरक आयोजन रविदिन 23 नवंबरकें भेल. एहि कार्यक्रमक उद्घाटन युवा उद्योगपति जीबेन्द्र मिश्र केलनि. लगातार दस सालसं सामाजिक सरोकार हेतु ई शिविर लगाओल जाइत अछि. एहूबेर सैकड़ो लोक…

'वेब पत्रकारिता ओ मैथिली' विषयक संगोष्ठी

कलकत्ता: वेब पर मैथिलीक उपस्थिति कम नै अछि. बहुत रास वेब पोर्टल मैथिली मे समाद प्रस्तुत क' रहल अछि. मिथिमीडिया 15 अगस्त 2012 सं लगातार एहि क्षेत्र मे काज क' रहल अछि. काल्हि मने रविकें बेरूपहर 3 बजेसं मिथिमीडिया द्वारा 'वेब पत्रकारिता ओ …

दर्शककें जोड़यमे सफल रहल 'मिथिलाक अभिशाप'

कलकत्ता : मिथिला कल्याण परिषद रविदिन रवीन्द्र भवन रिषड़ामे विद्यापति स्मृति पर्व समारोह केर आयोजन केलक. परिषद द्वारा 32म आयोजन मे लेखक-निर्देशक शम्भूनाथ मिश्र केर नाटक 'मिथिलाक अभिशाप' केर मंचन भेल. कार्यक्रमक पहिल सत्र मे मंचासीन प्रफुल्…

इट्स वैरी सैड : डॉ फणिकान्त मिश्र

> मैथिली महायात्रा कार्यक्रम मे जुटलाह बुद्धिजीवी लोकनि  कलकत्ता:  रविदिन अंतर्राष्ट्रीय संस्था दहेज मुक्त मिथिला द्वारा आयोजित संगोष्ठी आ कविगोष्ठी मे बजैत डॉ. फणिकान्त मिश्र अपन विचार प्रकट करैत बजलाह जे मैथिल मे एकताक पूरा अभाव अछि. जा…

मिथिला कल्याण परिषदक 32म वार्षिकोत्सव रविकें

कोलकाता : मिथिला कल्याण परिषद आगामी रवि मने 16 नवम्बर 2014कें रवीन्द्र भवन रिषड़ामे विद्यापति स्मृति पर्व समारोह केर आयोजन केलक अछि. परिषदक ई 32म आयोजन अछि. कार्यक्रम सांझ 4.30 बजेसं होयत. एहि अवसर पर लेखक-निर्देशक शम्भूनाथ मिश्र केर नाटक 'मि…

'संपर्क'मे चन्दनकें देल गेलनि बधाइ

कलकत्ता: प्रत्येक मासक दोसर रविकें होमयवला साहित्यिक गोष्ठी 'संपर्क' आइ नवीन प्रकाशन कार्यालयमे सांझ पांच बजेसं आयोजित भेल. गोष्ठीक अध्यक्षता युवा मैथिल एक्टिविस्ट रोशन चौधरी केलनि. साहित्यकार चन्दन कुमार झा, मिथिलेश कुमार झा ओ आमोद कुम…

Load More
That is All