फेस्टिवलक पहिल दिन भेल कएक विषय पर विमर्श


पटना: तीन दिवसीय मैथिली लिटरेचर फेस्टिवल केर पहिल दिन पोथी, साहित्य ओ अनुवाद विषयक विमर्श भेल. मायानंद मिश्र, जीवकांत, महाप्रकाश ओ ज्योत्सना चन्द्रम कें मोन पाडैत शुरू भेल कार्यक्रमक पहिला सत्र केर संचालन अजित आजाद केलनि. एहि सत्र मे भीमनाथ झा, प्रदीप बिहारी, सुभाष चन्द्र यादव, अशोक कुमार मेहता अपन विचार रखलनि. विभूति आनंद द्वारा लिखित शोककाव्य अहाँ नै, ओ दिवस चल गेल केर विमोचन कएल गेल. कार्यक्रम मे समवेत केर कविता संग्रह ड्राइंग रूम मे लाफिंग बुद्धा केर विमोचन सेहो भेल.

छओ सत्रक पहिल दिवसक कार्यक्रम उदघाटन वरिष्ठ मैथिली साहित्यकार गोविन्द झा, रामावतार यादव, राजमोहन झा, महेंद्र नारायण कर्ण, नरेद्र झा केलनि. उदघाटन सत्रक संचालन छात्रानंद सिंह झा केलनि. तेसर सत्र मे सुभाष चन्द्र यादव केर बनैत-बिगडैत कथा संग्रह पर विमर्श विस्तृत विमर्श भेल. सत्रक संचालन तारानंद वियोगी केलनि. भाग लेलनि श्रीनिवास ओ विद्यानंद झा.


सत्र खिस्सा कहे खिसनी मे कंटीर मुखिया, परमेश्वर कापड़ि भाग लेलनि. संचालन शैलेन्द्र आनंद केलनि. एकर बाद आदान-प्रदान सत्र मे अनुवाद पर विमर्श केलनि मेनका मल्लिक, राम नारायण सिंह. संचालन रामानंद झा रमण केलनि. अंतिम सत्र मे कमल मोहन चुन्नू केर संचालनमे सांगीतिक कार्यक्रम भेल. एहिमे राम हिरन दास, गोपेश झा, रिचा झा, रंजना झा, हरिओम शरण आदि भाग लेलनि. कुञ्ज बिहारी उपस्थित नै भ' सकलाह.

कलकत्तासं पहुंचल मैथिली साहित्यकार मिथिलेश कुमार झा केर अनुसार भारी संख्यामे नेपाल सं साहित्यकार आयल छथि. कार्यक्रम समयसं शुरू भेल आ एकर संचालन तत्परतासं भेल. मैथिली कार्यक्रममे एकर परबंधन बेस कठिन छै. व्यवस्थाक संगहि कार्यक्रम रूपरेखा बेस प्रशंसनीय अछि. नव-पुरान मैथिली रचनाकार लोकनिक भीड़ जुटल अछि. ई सभ अत्यंत आह्लादकारी अछि.


मैथिली कार्यकर्ता अमित आनंद कार्यक्रममे उपस्थित भ' नव ऊर्जाक अनुभव क' रहलाह अछि. मिथिमीडियाकें जनओलनि जे जेना पहिल बेर आयोजित भेल अछि, तेना लोकक जुटानी पर्याप्त अछि. विभिन्न ठामसं साहित्यकार लोकनि जुटलाह अछि. ई विशेष अछि एहि कार्यक्रममे. एकठाम एनाक' साहित्यकार लोकनिक जुटानी दुर्लभे सन छल एखन धरि.

सोशल साइट पर फेस्टिवलकें ल' मैथिली प्रेमी लोकनि बेस उत्साहित छथि. फेस्टिवलक चर्चा फेसबुक पर पसरल रहल. विभिन्न तरहक चर्चा, पोस्ट, कमेन्ट बेस भेल. जे भाखा प्रेमी पहुंचल छथि से फेसबुक पर फोटो ओ जनतब शेयर क' रहलाह अछि आ लोक सभ अपना-अपना स्तरसं चर्चा उठबैत देखल गेलाह. एहन सन फेस्टिवलक खगता बताओल गेल आ मैथिलीमे शुरू भेने भाखाक प्रचार-प्रसारमे तेजी अएबाक बात जोर सं उठल. 
(रिपोर्ट : मिथिमीडिया ब्यूरो ; फोटो : अमित आनंद)
Previous Post Next Post