पटनामे तीन दिवसीय मैथिली लिटरेचर फेस्टिवल


पटना : तीन दिवसीय मैथिली लिटरेचर फेस्टिवल 12 दिसंबर सं आयोजित अछि. मैथिली लेखक संघ द्वारा यूथ होस्टल परिसर, फ्रेजर रोड मे फेस्टिवल केर आयोजन दिनक 10 बजेसं राति 8 बजे धरि होयत. आयोजनमे भारत-नेपाल केर साहित्यकार सहित रंगकर्मी, कार्यकर्ता लोकनि भाग लेताह. भाखा-साहित्य, पोथी-पाठक, नाटक-सिनेमा सहित विविध विषयक चर्चा-परिचर्चा होयत संगहि मिथिलाक संस्कृतिक झलक देखबामे आओत. ज्ञात हो जे मैथिलीमे साहित्य उत्सवक पहिल आयोजन अछि.

16 फरवरी 2014 कें भारत ओ नेपालक साहित्य-संस्कृति प्रेमीक पटनाक एक बैसार मे फेस्टिवलक नियार भेल छल. आयोजन समितिक अनुसार, फेस्टिवलक प्रारूप कहैत अछि जे एम. एल. एफ. आयोजनक प्रेरणा जे. एल. एफ.(जयपुर लिटरेचर फेस्टीवल ) ओ पी. एल. एफ.(पटना लिटरेचर फेस्टीवल) आयोजन सँ भेटल अछि. मुदा एकर प्रकृति ओ आचरण ओहि सँ भिन्न रहत. भिन्नता एकर उद्देश्य ओ कार्यक्रम मे परिलक्षित होयत.

फेस्टीवलक एक मुख्य उद्देश्य भारत ओ नेपाल मे मैथिली साहित्यक विकास अछि. मैथिली ओ मिथिला सँ सम्बंधित चेतनाक विकास लेल साहित्योत्सवक आयोजन समयक मांग थिक. मैथिली भाषी लोक मे एकजुटता ओ जागरूकता अपेक्षित अछि. एकरे निमित्त मैथिली लिटरेचर फ़ेस्टिवलक आयोजन.

फेस्टिवलक मुख्य आयोजक मैथिली लेखक संघ, पटना थिक. आयोजन मे मैथिली महिला संघ, भंगिमा, प्रतिमान, पटना, मिथिला सांस्कृतिक परिषद, बोकारो, आ झारखण्ड मैथिली मंच, रांची सहयोग क' रहल अछि.
Previous Post Next Post