मिथिलाक अनुपम डेग द्वारा शैलेन्द्रकें श्रद्धांजलि

राजविराज: मिथिलाक अनुपम डेग द्वारा बृहस्पतिदिन राजविराजमे मैथिली नाटककार, कलाकार तथा रंगकर्मी कुमार शैलेन्द्रक निधन पर शोक सभाक आयोजना कएल गेल.

डेगक महासचिव निराजन झाक अध्यक्षतामे आयोजित शोक सभामे मैथिली साहित्य परिषद्क पूर्व अध्यक्ष विष्णुकुमार मण्डल, विवेकानन्द मिश्र, मैथिल महिला परिषद्क पूर्व अध्यक्ष मीना ठाकुर, मैथिली साहित्य परिषद्क अध्यक्ष शुभचन्द्र झा, सचिव श्यामसुन्दर यादव, सञ्चारयात्रा नेपालक अध्यक्ष करुणा झा, शिक्षिका मन्जू श्रेष्ठ, अधिवक्ता देव नारायण यादव मानवअधिकारकर्मी आभासेतु सिंह आदि लोकनि दिवंगत रंगकर्मी ओ लेखक कुमार शैलेन्द्रकें श्रद्धांजलि देलनि ओ अपन विचार व्यक्त केलनि.
Previous Post Next Post