मैथिली-मिथिला हेतु प्रधानमंत्रीकें ज्ञापन

राजविराज : मिथिला राज्य आ मैथिली भाषाकें सुनिश्चितताक मांग करैत मैथिली साहित्य परिषद् राजविराजद्वारा प्रमुख जिल्ला अधिकारी मार्फत प्रधानमन्त्रीसहित सम्बन्धित निकायकें बीतल  बृहस्पतिदिन ज्ञापनपत्र पठाओल गेल.

परिषद्क अध्यक्ष शुभचन्द्र झाक नेतृत्वमे मैथिलीकर्मी सभक टोलीद्वारा सहायक प्रमुख जिल्ला अधिकारी बेद बहादुर कार्कीमार्फत ज्ञापन पत्र देल गेल. उक्त टोलीद्वारा प्रधानमन्त्री सुशील कोइराला, संविधान सभाक अध्यक्ष सुवास नेम्वाङ्ग, सहमति सम्वाद तथा वार्ता समितिक अध्यक्ष डा. बाबुराम भट्टराईकें संबोधनमे अलग-अलग ज्ञापन पत्र देल गेल.

सम्बिधान सभाद्वारा लोकतान्त्रिक गणतन्त्र नेपालक सम्बिधान निर्माणक कार्य भ' रहल आ संघीयता अन्तर्गत राज्य पुनर्संरचनाक लेल पहिचानक विभिन्न आधार सभ प्रस्तुत भ' रहल कहैत भाषिक आधारमे मिथिला राज्य बनबाक मांग कएल गेल अछि. भाषाक आधारमे गठित राज्यमे राष्ट्रिय एकताक सम्भावना बढि रहल ज्ञापन–पत्रमे उल्लेख अछि.

(रिपोर्ट : करुणा झा)
Previous Post Next Post