
एहि कार्यक्रममे देशक अनेक भाषाक कवि लोकनि भाग ल' रहल छथि. कार्यक्रममे विभिन्न भाषाक काव्य पाठ सहित हिन्दी, बांग्ला, तेलगू आ मणिपुरी कवितापर वार्ता आयोजित अछि. संगहि पहिल दिन भरतनाट्यम आ दोसर दिन मणिपुरी नृत्यक कार्यक्रम सेहो राखल गेल अछि. एहि अवसर पर साहित्य अकादेमी द्वारा प्रकाशित साहित्य सस्ता मूल्य पर बिक्री हेतु उपलब्ध होयत.