उपन्यास 'दू धाप आगां' केर कवर दूटा स्त्री नायिका द्वारा जारी

प्रसिद्ध मैथिली कवि दिलीप कुमार झा अपन तेसर पोथी ल' क' आबि रहल छथि. पाठक लोकनि हिनक उपन्यास 'दू धाप आगां' केर बाट ताकि रहल छथि. ई उपन्यास अपन समकालीन कथा ओ विषय-वस्तु लेल सेहो चर्चा मे आबि रहल अछि. शीघ्र प्रकाश्य एहि उपन्यास मे दू गोट गरीब बालिकाक संघर्ष कथा कहल गेल अछि. कोना ओ दुनू अपन-अपन जिनगी-संघर्ष करैत अछि से दिलीप जी कागत पर उतारलनि अछि.

विदित हो जे एहि उपन्यासक कवर मिथिलाक दूटा स्त्री नायिका द्वारा जारी कएल गेल अछि. श्रीमती प्रेमलता मिश्र प्रेम (रंगकर्मी) ओ श्रीमती दुलारी देवी (चित्रकार) पोथीक कवर रिलीज करैत बेस आह्लाद व्यक्त केलनि. जानकीक जन्मभूमि पर स्त्री नायिकाबला उपन्यास कवर दू गोट प्रेरणादायक व्यक्तित्व सं भेल अछि.


लेखक दिलीप कुमार झा स्कूलक बच्चा सभक संग 

लेखक-प्रकाशक ई डेग बेस सराहनीय कहल जा सकैत अछि. उपन्यास कें ल' उत्कंठा आओर बढ़ल जा रहल अछि. कहि दी जे दिलीप जी उपन्यास 'दू धाप आगां' प्रतिष्ठित प्रकाशन 'शेखर प्रकाशन' सं आबि रहल अछि.

पोथी विमोचनक घोषणा सेहो शीघ्र भ' सकैत अछि.

#MithiBooks

Previous Post Next Post