भारत आब सबसं बेसी गरीब जनसंख्याबला देश नै अछि!

समस्त भारतवासी आ भारतप्रेमी लेल ई बड़का खुशीक बात अछि (?) जे भारत आब सबसं बेसी गरीब जनसंख्याबला देश नै रहल. आब हमरा लोकनि कें ई सामान्य ज्ञान विषयक बात जानि लेबाक चाही. एहन खुलासा एक रिपोर्टक माध्यम सं भेल अछि. गरीबी मे लगातार कमी होएबाक कारणें अपन सबहक देश आब सबसं बेसी गरीब जनसंख्याबला देश नै अछि.

बता दी जे आब नाइजीरिया एहन देश अछि जतय भारत सं बेसी गरीब लोक अछि. भारत मे गरीबक जनसंख्या 7.3 करोड़ अछि त' नाइजीरिया मे एहन लोकक संख्या लगभग 8.7 करोड़ बताओल जा रहल अछि. अमेरिकाक एक शोध संस्थान ई रिपोर्ट जारी केलक अछि.

एहि सूची मे कांगो दोसर नंबर पर शीघ्र आबि जाएत आ भारत स्थिति मे आओर सुधारक संभावना अछि. साल 2030 धरि दुनिया कें गरीबी करबाक लेल संयुक्त राष्ट्र द्वारा टिकाऊ विकास लक्ष्य बनाओल गेल अछि. भारत तेजी सं विकास पथ पर अछि आब गरीबी उन्मूलन संभव होइत देखा रहल अछि.

Previous Post Next Post