छोट-मोट दुकानदार सबसं देसी सामान कीनू : नरेन्द्र मोदी


Mann Ki Baat Maithili : प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी केर रेडियो कार्यक्रम मन की बात केर आइ 106म एपिसोड प्रसारित भेल. भोरे 11 बजे प्रधानमंत्री देश कें संबोधित केलनि. 

आकाशवाणी पर मन की बात केर सीधा प्रसारण कएल गेल. पीएम मोदी कहलनि जे एहि बेर त्योहार सब लेल एहन उत्पाद कीनू जाहि मे देशवासी केर मेहनति लागल हो, देश में बनल हो जाहि सं देशवासी लोकनि कें रोजगार भेटनि.
 
प्रधानमंत्री एशियन गेम्स आ पैरा एशियन गेम्स मे भारतीय खिलाड़ी लोकनिक प्रदर्शन केर तारीफ केलनि. संगहि देशभरिक विविध विषय पर अपन बात रखलनि.

'मन की बात' कार्यक्रम 22 भारतीय भाषा आ 29 बोली सहित फ्रेंच, चीनी, इंडोनेशियाइ, तिब्बती, बर्मी, बलूची, अरबी, पश्तू, फारसी आदि भाषा मे प्रसारित कएल जाइत अछि. ई कार्यक्रम आकाशवाणी केर 500 सं  अधिक केंद्र सबसं प्रसारित होइत अछि.

हमरा सब लेल हर्षक बात जे हमर सबहक मातृभाषा मैथिली मे सेहो एकर प्रसारण होइत अछि. मैथिली भाषा मे मन की बात कार्यक्रम कें एतय सुनल जा सकैत अछि.

आग्रह जे निश्चित मन की बात केर मैथिली संस्करण सुनू जाहि सं सरकार धरि मैसेज जाइ जे मैथिली भाषी अपन भाषा प्रति सजग छथि, भाषा लेल आग्रही छथि.


- - - - - 
प्राचीन सन्दर्भ कें देखल जाए त' दक्षिण गंगा, उत्तर हिमवन (16 योजन) आ पूब कोसी, पश्चिम गंडकी (24 योजन) मे पसरल भूखण्ड केर सबसं प्राचीन-प्रचलित नाम मिथिला अछि. सम्पूर्ण लेख देखू - आउ जनैत छी 'मिथिला केर चौहद्दी'
Previous Post Next Post