साइनसिने फिल्म फेस्टिवल उल्लासपूर्वक संपन्न


SINCINE FILM FESTIVAL: शिवाय प्रोडक्शन्स दिस सं आयोजित 'साइनसिने अंतरराष्ट्रीय फिल्म फेस्टिवल' केर प्रथम संस्करण बेस उल्लासपूर्वक संपन्न भेल. 5 सं 7 मार्च कें नेशनल हाइवे 57 पर स्थित बसन्त पैलेस मे तीन दिवसीय फिल्म फेस्टिवल सं बेस रौनक पसरल रहल. एहि अवसर पर देश-विदेशक फिल्म प्रेमी आ फिल्म सं जुड़ल व्यक्तित्व सबहक संगहि राजनीति, उद्योग आदि विभिन्न क्षेत्रक हस्ती सब जुटलाह. नगर विधायक विजेंद्र चौधरी, उजियारपुरक पूर्व विधायक दुर्गा प्रसाद सहित फेस्टिवल मे जुटल फिल्म हस्ती सब फेस्टिवल केर विधिवत उदघाटन केलनि.

जानकारी हो जे साइनसिने फिल्म फेस्टिवल मे एहि बेर 22 देश सं 200 सं अधिक फिल्म सबमिट कएल गेल छल. जाहि मे सं 82 फिल्म कें प्रदर्शन लेल आधिकारिक रूप सं चुनल गेल अछि. एकर आयोजन सं मुजफ्फरपुर शहर सहित मिथिला क्षेत्रक छोट-पैघ कलाकार लोकनिक मनोबल बढ़लनि अछि. फेस्टिवल मे मिथिलाक संस्कृति केर झलक सेहो देखाओल गेल. एहि अवसर पर नामी कलाकार सब द्वारा कार्यक्रम सेहो प्रस्तुत कएल गेल.


फेस्टिवल केर निदेशक एन. मंडल मिथिमीडिया कें जनओलनि जे पहिल बेर एकर आयोजन बेस उत्साहजनक रहल अछि. स्थानीय प्रशासन सहित फ़िल्मी दुनिया सं जे जतेक सहयोग भेटलनि अछि ताहि सं निश्चय भविष्य मे बड़का स्केल पर फेस्टिवल आयोजित भ' सकत. सह निदेशक अशोक 'अश्क' द्वारा जारी प्रेस विज्ञप्ति अनुसार फेस्टिवल कें एकटा इंटरनेशनल स्वरूप प्रदान करैत व्यापक मंच बनाओल जेबाक दिशा मे काज शुरू अछि.

कहैत चली जे साइनसिने फिल्म फेस्टिवल मे चुनल फिल्म सब कें विभिन्न श्रेणी मे अवार्ड सेहो देल गेल अछि. आधिकारिक वेबसाइट पर पूरा लिस्ट देखल जा सकैत अछि. 'हैलो कौन' गाना सं फेमस भेल स्नेह उपाध्याय सहित आराधना कोमल, पुष्पा यादव (नेपाल), प्रेमलता प्रेम, गोविन्द पाठक, अनिल मिश्रा, बालकृष्ण झा, किसलय कृष्ण आदि लोकनि फेस्टिवल मे आबि एकरा गरिमामय बनओलनि. एकर अलावे कार्यक्रम मे मुजफ्फरपुर केर मेयर सुरेश कुमार, अनुमंडल अधिकारी कुंदन कुमार, बोचहां केर विधायक मुसाफिर पासवान, आप पार्टी केर नेता शत्रुघन साहू सहित कतिपय गणमान्य लोकनि उपस्थित रहलाह.

Previous Post Next Post