SINCINE FILM FESTIVAL - 'साइनसिने फिल्म फेस्टिवल' मे होएत 82 फिल्मक प्रदर्शन


शिवाय प्रोडक्शन्स
दिस सं आयोजित 'साइनसिने अंतरराष्ट्रीय फिल्म फेस्टिवल' केर प्रथम संस्करण मे दुनियाभरिक 22 देश सं 200 सं अधिक फिल्म सबमिट कएल गेल अछि. एहि मे सं 82 फिल्म कें प्रदर्शन लेल आधिकारिक रूप सं चुनल गेल अछि. चयनित भेल फिल्म सब कें 'बसन्त पैलेस' मे प्रदर्शित कएल जाएत. एहि अंतराष्ट्रीय फिल्म 
फेस्टिवल केर खास बात ई अछि जे ई फेस्टिवल (Sincine Film Festival) मिथिलाक मुजफ्फरपुर मे आयोजित भ' रहल अछि. एकर आयोजन सं मुजफ्फरपुर शहर सहित मिथिला क्षेत्रक छोट-पैघ कलाकार लोकनिक मनोबल बढ़तनि.
 
साइनसिने फिल्म फेस्टिवल मे चयनित सब 82 फिल्म केर प्रदर्शन दिनांक 5 सं 7 मार्च कें बसन्त पैलेस मे होएत. जानकारी हो जे एहि अंतरराष्ट्रीय फिल्म फेस्टिवल कें भव्य बनएबाक लेल तीन अलग-अलग प्रदर्शन कक्ष बनाओल गेल अछि. जाहि मे फीचर फिल्म्स, शार्ट फिल्म्स, डॉक्युमेंट्रीज़ आ रिजिनल फिल्म्स केर प्रदर्शन होएब निश्चित अछि. साइनसिने फिल्म फेस्टिवल मे बिहार केर कला संस्कृति कें प्रमुखता सं देखाओल जाएत.
 
बुधदिन 03 मार्च 2021 कें आयोजित प्रेस कांफ्रेंस मे फेस्टिवल केर निदेशक एन. मंडल, सह निदेशक अशोक 'अश्क', रचनात्मक निदेशक विकाश चौहान , प्रबंध निदेशक संतोष कुमार, किसलय कृष्ण आ संरक्षक शत्रुघ्न साहू सहित कोर टीम सदस्य अनुपम, साकेत साही, दीनबंधु महाजन आ अन्य सदस्य लोकनिक संग मुजफ्फरपुर केर कतेको प्रशासनिक अधिकारी उपस्थित छलाह.

 
कांफ्रेंस मे टीम दिस सं कहल गेल जे फिल्म फेस्टिवल माध्यम सं क्षेत्रीय कलाकार सहित मिथिला केर पर्यटन, संस्कृति, कला, खानपान आदि बिंदु कें देश-दुनिया समक्ष आनल जाएत. फिल्म फेस्टिवल सं सिनेमा कें प्रोत्साहन सहित एहि सं जुड़ल कतेको क्षेत्र आ व्यक्ति सब लाभान्वित होएत.

(मिथिमीडिया एंड्रॉएड ऐप हेतु एतय क्लिक करी. फेसबुकट्विटर आ यूट्यूब पर सेहो फ़ॉलो क' सकै छी.) 
Previous Post Next Post