Femina Miss India 2019: सुमन राव कें फेमिना मिस इंडिया खिताब


राजस्थान केर सुमन राव एमकी फेमिना मिस इंडिया खिताब जीत लेलनि अछि. फेमिना मिस इंडिया (Femina Miss India) ग्रैंड फिनाले बीतल राति बम्बइ केर सरदार वल्लभभाइ पटेल इंडोर स्टेडियम मे भेल.

सुमन राव फेमिना मिस इंडिया 2019 (Femina Miss India) केर विजेता बनलीह. ई एही साल 7 दिसंबर कें थाइलैंड मे मिस वर्ल्ड 2019 प्रतियोगिता मे भारतक प्रतिनिधित्व करतीह.



पहिल उपविजेता उत्तर प्रदेश केर शिनता चौहान आ दोसर रनर-अप तेलंगाना केर संजना विज कें सेहो सम्मानित कएल गेलनि.


एकर संगहि बता दी जे Femina Miss India फिनाले केर टॉप 6 फाइनलिस्ट - यूपी केर शिनांता चौहान, छत्तीसगढ़ केर शिवानी जाधव, असम केर ज्योतिश्मिता बरुआ, बिहार केर श्रेया शंकर, तेलंगाना केर संजना विज आ राजस्थान केर सुमन राव छलीह.

Femina Miss India 2019केर वीडियो एतय देखी -

Previous Post Next Post