परम्परा गाबय गीत : भोट दियौ सभ मीत


मुंबई/नव दिल्ली : संगीत प्रेमी टीवी दर्शकक बीच परम्परा ठाकुर खूब चर्चित नाओ भेल अछि. एंड टीवी पर प्रसारित वॉयस ऑफ इंडिया कार्यक्रम मे पूर्णिया जिलाक धमदाहा केर परम्परा ठाकुर अपन गायन सं लाखक लाख लोक कें अपन प्रशंसक बना लेलनि अछि. संगीत प्रतियोगिता मे परम्परा एकमात्र फीमेल आर्टिस्ट बचल अछि. अपन प्रतिभाक बल पर प्रतिष्ठित शो मे स्थान बना परम्परा एखन धरि रेस मे अव्वल बनल छथि. टीम मीका केर परम्परा ठाकुर शो जितबा सं मात्र दू डेग पाछू छथि.

शनि-रवि कें प्रदर्शित होमयबला एहि टीवी शो मे परम्परा कें जितेबाक अपील सोशल मीडिया पर खूब जोर शोर सं कएल जा रहल अछि. एक त' हिनक विलक्षण गायकी लोक कें प्रभावित केने अछि त' दोसर दिस मिथिला मूलक होएबाक कारण सं मैथिल मध्य भोटिंग करबाक अपील सेहो खूब कएल जा रहल अछि. दिल्ली मे पढ़ल-बढ़ल  परम्परा मैथिलीक पहिल फिल्म 'ममता गाबय गीत' फेम गीतकार रबीन्द्र नाथ ठाकुर केर पौत्री थिकीह. 


शो मे परम्परा ठाकुर केर परफोर्मेंस कें देखैत हिनका वॉयस ऑफ इंडिया टाइटिल केर प्रबल दावेदार मानल जा रहल अछि. मुदा टीवी पर आयोजित एहन प्रतियोगिता मे अंतिम विजेताक निर्णय फोन सं देल भोट करैत अछि आ आब ई शो आ टाइटिल जितबाक लेल परम्परा कें भोटक बेगरता छै. मैथिलजन सं स्वयं रबीन्द्रनाथ ठाकुर परम्परा कें भोट देबाक अपील केलनि अछि.

परम्परा कें भोट करबाक लेल 57575 पर सबसं पहिने VOICEलिखु (कैपिटल मे) तकर बाद स्पेस दऽ कऽ PAR लिखि SMS पठा दियौक. मिस काल लेल 09021103675 पर डायल करू. एक नंबर सँ 99 काल भ' सकैत छैक. शनिक राति 9 बजे जरूर देखू The Voice of india – &TV पर.  

परंपराक गीत सुनबा लेल एहि लिंक पर क्लिक करू:
Previous Post Next Post