पाठक सं विमुख भेलाह सत्यानंद, मैथिली जगत मे शोक

कलकत्ता/गोहाटी :  लेखक-संपादक सत्यानंद पाठकक अकस्मात् ह्रदय गति रुकि गेला सं निधन भ' गेलनि. शुक्र दिन भोरे गोहाटी मे ओ अंतिम सांस लेलनि. एहि खबरि सं मैथिलीनेही लोकनि मे शोक व्याप्त अछि. हिन्दी दैनिक पूर्वोदय केर संपादनक संगहि ई मैथिली पत्रिका पूर्वोत्तर मैथिल आ पूर्वोत्तर मैथिल समाज केर संपादक रहल छलाह. पूर्वोत्तर मे मिथिला-मैथिलीक परचम लहरओने छलाह आ मैथिली साहित्यक श्रीवृद्धि मे लागल रहैत छलाह. हुनक अकस्मात् निधनक समादक सोशल मीडिया ओ टेलीफोनक माध्यम सं मैथिलजन शोक व्यक्त क' रहलाह अछि. 

साहित्यिक बिभूति आनंद लिखैत छथि जे मैथिली साहित्यक स्वर बुलंद केनिहार उपन्यास 'गाम गेल छलहुँ' केर चर्चित लेखक ओ संपादक नै रहलाह,  श्रद्धांजलि.

राजनेता रत्नेश्वर झा दुःख व्यक्त करैत लिखने छथि जे हुनका गेला सं हमर पारिवारिक क्षति भेल बुझना जा रहल अछि. हुनक मार्गदर्शन पार्टी कें भेटैत रहल छल. मिथिला-मैथिलीक सजग सपूत असमय छोड़ि गेलाह.

कवि लक्ष्मण झा 'सागर', कोकिल मंच केर नबोनारायण मिश्र, अशोक झा आदि अनेक लोकनि हुनक असामयिक निधन पर दुःख प्रकट केलनि. ई सिलसिला दिनभरि चलैत रहल. सत्ते ई मैथिलीक अपूरणीय क्षति अछि.

(फोटो : फेसबुक)
Previous Post Next Post